समाचार सङ्कलनके क्रममे दुर्घटना भेल पत्रकारकेँ काउन्सिलक सहयोग


काठमाण्डू, १३ आसिनः प्रेस काउन्सिल नेपाल समाचार सङ्कलनके क्रममे दुर्घटना भेल पत्रकारकेँ आर्थिक सहयोग करबाक जनौलक अइछ ।
       मुग्लिङ–नारायणगढ सड़कखण्डमे भुस्खलनके कारण सड़क अवरुद्ध भेल समाचार सङ्कलनके लेल गेल समय दुर्घटनामे घायल भेल पत्रकार अनिल ढकाल, सुजन पौडेल तथा ‘जेनजी’ प्रदर्शनमे घायल भेल पत्रकारके पत्रकार कल्याण कोषसँ आर्थिक सहयोग उपलब्ध करेबाक काउन्सिल निर्णय केलक अइछ ।
तहिना, खतरा रहल क्षेत्रमे समाचार सङ्कलन करबाक समय सुरक्षा संवेदनशीलता अपनाबए आ कोनो दुर्घटना भेल अवस्थामे तत्काल इलाजमे ध्यान देबाक लेल सेहो संचारमाध्यमकेँ आग्रह कएल गेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय