समयमे निर्वाचन सम्पन्न करए राष्ट्रपति पौडेल कएलक अपिल


काठमाण्डू, १३ आसिनः राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल निर्धारण कएल गेल समयमे निर्वाचन सम्पन्न क जनप्रतिनिधिमूलक संसद् आ सरकारक निरन्तरताके लेल सबकेँ संयमित भ आवश्यक सहयोग आ सहकार्य करबाक लेल अपिल केलैन अइछ । ओ कहलैन, “देशमे उत्पन्न भेल विषम तथा असाधारण परिस्थिति एवम् मानवीय क्षति तथा सरकारी, संस्थागत आ निजी क्षेत्रमे भेल भौतिक तथा अन्य क्षतिकेँ उपयुक्त व्यवस्थापन करबाक चाही ।”

हिन्दूसभक पावैन दशमी, २०८२ के अवसरमे आइ शुभकामना दैत ओ स्वदेश तथा विदेशमे रहल सम्पूर्ण नेपालीसभमे सुख, शान्ति, समृद्धि, सुस्वास्थ्य, आरोग्य एवं उत्तरोत्तर प्रगतिके कामना व्यक्त केलैन ।

राष्ट्रपति पौडेल कहलैन, “दशमीके उपलक्ष्यमे पारिवारिक जमघट एवम् पुनर्मिलन भ खुसीयाली आ हार्दिकता आदानप्रदान क मनेबाक प्ररम्परा अइछ । दशमीकेँ असत्यपर सत्यके विजयके पावैनक रुपमे मानल जाइत अइछ । अइ पावैनसँ सब नेपालीकेँ अपन–अपन क्षेत्रसँ न्याय आ समानतासहितके आर्थिक समृद्धि, सामाजिक एकता, आपसी सद्भाव आ भाइचारा अभिवृद्धिमे सहयोग पहुँचत से हमर विश्वास अइछ ।”(रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय