सप्तरीके धार्मिकस्थलमे श्रद्धालुसभक भीड़


राजविराज (सप्तरी), १४ आसिनः नवरात्रके आठम दिन आइ सप्तरीके विभिन्न धार्मिकस्थलमे श्रद्धालुसभक भीड़ लागल अइछ ।

छिन्नमस्ता गाउँपालिका–३ सखड़ास्थित छिन्नमस्ता भगवती शक्तिपीठमे आइ श्रद्धालुसभक विशेष भीड़ लागल अइछ । अइ ठाम पूजापाठ आ दर्शन कएलासँ सन्तान प्राप्ति तथा मनोकामना पूर्ण होबाक विश्वास अइछ । नवरात्रके पञ्चमीसँ अइ ठाम विशेष पूजापाठ केनिहार श्रद्धालुसभक भीड़ बढ़ैत गेल मन्दिरक पीठाधीश महाकान्त ठाकुर जानकारी देलैन ।

हुनक कहब अनुसार बितल साल अइ ठाम करिब १० लाख श्रद्धालुसभ दर्शन तथा पूजापाठ कएने छल । अइ बेर दर्शन आ पूजापाठ केनिहार श्रद्धालुसभक सङ्ख्या आओर बढ़बाक हुनक कहब छैन । अइ ठाम नेपालसहित भारतक श्रद्धालुसभ सेहो दर्शन आ पूजापाठके लेल आबैत अइछ ।

श्रद्धालुसभक सुविधाकेँ ध्यानमा राइख शक्तिपीठ परिसरमे निःशुल्क भोजन, धर्मशाला, पिबैबला पाइन, पार्किङ सुविधा तथा सुरक्षा व्यवस्थाके लेल मन्दिर परिसरमे ३२ टा सिसी टिभी क्यामेरा लगाएल गेल अइछ ।

जिलाक हनुमाननगर कङ्कालिनी नगरपालिका–१ स्थित भारदहमे रहल कङ्कालनी भगवती मन्दिरमे सेहो श्रद्धालुसभक भीड़ लागल अइछ । मन्दिरमे भोरेसँ लाइन लाइग श्रद्धालु भक्तजनसभ दर्शन आ पूजापाठ क रहल नगरप्रमुख वीरेन्द्र माझी जानकारी देलैन । काइल्ह महानवमीके दिन अइ ठाम होएबला पशु बलिके लेल सम्पूर्ण तैयारी पूरा कएल गेल जानकारी दैत ओ भीड़केँ ध्यानमे राइख व्यवस्थित रुपमे स्वयंसेवक परिचालन कएल गेल बतौलैन ।

तहिना, राजविराजके भगवती मन्दिर आ राजदेवी मन्दिरमे सेहो मेला लागल अइछ । जिलाके डाक्नेश्वरी नगरपालिकास्थित पातोमे रहल डाक्नेश्वरी मन्दिरमे सेहो श्रद्धालुसभक भीड़ लागल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
धेरै पढिएको