धनुषा, २० आसिनः तीन दिनक लगातारके वर्षाके कारण प्रभावित भेल जनजीवन सामान्य बनैत गेल अइछ । मौसम सुधार भेलाक बाद सर्वसाधारण राहत महसुस कएने अइछ । अइ ठाम रैबदिन राइतसँ वर्षा रुकल आ आइ भोरसँ रउद उगल अइछ ।
“निरन्तर वर्षा भेलासँ बाहरके कामकाज छोइड़ क घरेमे रहबाक अवस्था छल”, क्षीरेश्वरनाथ नगरपालिका–५ महेन्द्रनगरके तरकारी व्यवसायी जीवछ साह कहलैन, “ आइ रउद उगलाके बाद राहत महसुस भेल अइछ ।”
निरन्तरके वर्षाके कारण ग्राहकके अभावमे २० हजार टका बराबरके फलफूल, सागसब्जी नष्ट भेल साहके कहब छलैन । वर्षा रुकलाके बाद आइसँ बजारमे चहलपहल सेहो सुरु भेल अइछ ।
मौसमविद्सभ आब मौसम सफा होबएके सङे तापक्रम सेहो धिरे धिरे कम होबाक आ गर्मीसँ राहत हएत से बतौने अइछ । (रासस)






