लखन्देही नदीमे डुबलासँ एक गोटेक मृत्यु


बरहथवा (सर्लाही), २२ आसिनः सर्लाहीके मलङ्गवा नगरपालिकास्थित लखन्देही नदीमे डुबलासँ एक गोटेक मृत्यु भेल अइछ । मङ्गलदिन मलङ्गवा नगरपालिका–५, भाड़सरस्थित लखन्देही नदीमे नहेबाक लेल गेल चाइर गोटे दहाएल छल । जइमे तीन गोटे हेल क सकुशल निकलल छल, तँ १८ वर्षक ओम ठाकुरके मृत्यु भेल प्रहरीले जनौने अइछ ।

घटनास्थलसँ प्रहरी नदीमे छतलाए रहल अवस्थामे ठाकुरके उद्धार क प्रादेशिक अस्पताल मलङ्गवा पहुँचौने छल । अस्पताल पहुँचौलाक लगते डाक्टर ठाकुरके मृत घोषणा कएने जिला प्रहरीके प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक सरोज राई जानकारी देलैन ।

मृतक युवकके शव परीक्षणके बाद परिवारके जिमा लगाएल गेल छल । घटनाके विषयमे अनुसन्धान भ रहल प्रहरी जनौने अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय