काठमाण्डू, ७ कातिक: ‘जेनजी’ युवा सब आन्दोलनक भावना अनुसार आगाँ बढ़ेबाक लेल सरकारकेँ खबरदारी केलक अइछ ।
‘जेनजी युनाइटेड–फर परिवर्तन’ संस्थाद्वारा आइ माइतीघर मण्डलामे आयोजना कएल गेल खबरदारी सभामे सम्बोधन करैत अभियानीसभ देशभैरके जेनजीकेँ एकताबद्ध बनेबाक लेल सरकारे पहल करबापर जोड़ देलैन अइछ।
ओ सब सरकार जेनजी आन्दोलनक भावना अनुसार आगाँ बइढ़ नै सकल, सम्पूर्ण जेनजी युवाकेँ एकताबद्ध बनेबाक बदलामे अलग-अलग समूहमे विभाजित करएमे भूमिका खेलेलक ताहिपर असन्तुष्टि व्यक्त केलैन । ओ सब जेनजी युवाकेँ एकताबद्ध करेबाक लेल सरकार तुरन्त ७७ टा जिलामे ‘जेनजी सम्मेलन’ आयोजना करए पड़त, से धारणा राखलैन ।
जेनजी आन्दोलनक घायल मदन कार्की, सरकार हमरासभक माँग सुनुवाइ नै क निर्वाचनमे सहभागी होबाक लेल दबाब देलक कहैत माँग पूरा करेबाक लेल सम्पूर्ण जेनजी एक होबाक आवश्यकता रहल कहलैन। “जेनजी युवा सड़कपर विजयी आ वार्तामे पराजित भेलाक बादो आब एकताबद्ध भ क सङ्घर्ष करए पड़त”, ओ कहलैन, “जाइत, भाषा, पार्टी बिसैर क सम्पूर्ण जेनजी एकताबद्ध होबए पड़त, अखन हमरासभक राष्ट्रसँ पैघ किछु नै अइछ ।”
घायल कार्की २०८४ क निर्वाचनकेँ २०८२मे सरेबाक लेल मात्र वर्तमान सरकार नै बनल कहैत आन्दोलनक भावना आ माँग पूरा करबाक लेल सरकार प्रतिबद्ध रहए पड़त, से बतौलैन ।
जेनजी एकताके माँग करैत माइतीघरमे खबरदारी सभा करैत आएल उक्त संस्था अपनासभक माँग पूरा नै भेलाधैर विरोध जारी रहबाक जनौलक अइछ । जेनजी एकता अभियान्ता ज्योतिका राई सरकारेके सम्पूर्ण जेनजी युवाकेँ एकताबद्ध होबाक लेल पहल आ आह्वान करबाक चाही से हमरासभके माँग रहल आ उक्त माँग पूरा नै भेलाधैर विरोध करैत रहबाक बतौलैन अइछ। (रासस)





