काठमाण्डू, १३ कातिकः जापान सरकार बिपी राजमार्ग पुन:र्निर्माण आ मर्मतक लेल दू अरब ६० करोड़ टका अनुदान सहयोग प्रदान केलक अइछ ।
आइ अर्थ मन्त्रालयमे आयोजित कार्यक्रममे नेपाल सरकार आ जापान सरकार बीच अनुदान सहायता सम्बन्धी सम्झौतापत्रपर हस्ताक्षर भेल, मन्त्रालय जनौलक अइछ । अर्थमन्त्री रामेश्वरप्रसाद खनाल आ गृहमन्त्री ओमप्रकाश अर्यालके उपस्थितिमे मन्त्रालयक सचिव घनश्याम उपाध्याय आ नेपालक लेल जापानक राजदूत तोरु मायदा सम्झौतापत्रपर हस्ताक्षर केलैन ।
महोत्तरीक बर्दिबाससँ काभ्रेक धुलिखेलधरै १५९ किलोमिटर लम्बा बिपी राजमार्ग राजधानी काठमाण्डूसँ पूर्वी तराईकेँ जोड़ैबला नेपालक एक महत्वपूर्ण राष्ट्रिय राजमार्ग अइछ । उक्त राजमार्ग जापान सरकारके अनुदान सहयोगमे निर्माण कएल गेल छल ।
वितल सालके बाइढ़-भुस्खलनके कारण ओइ राजमार्गक विभिन्न खण्डमे गम्भीर क्षति पहुँचल छल । विशेष क क रोशी नदीक लगक किछु भाग पूर्ण रूपसँ क्षतिग्रस्त भेल छल । क्षतिग्रस्त खण्डक पुन:र्निर्माण आ मर्मतसम्भारक लेल जापान सरकारसँ सहयोग प्राप्त भेल अइछ, मन्त्रालयक कहब अइछ ।
ओहि समारोहमे अनुदान सम्झौतापर नेपालक दिससँ अर्थ मन्त्रालयक वैदेशिक सहायता समन्वय महाशाखाक सहसचिव धनिराम शर्मा आ जापानक दिससँ जापान अन्तर्राष्ट्रीय सहयोग एजेन्सी (जाइका) नेपालक प्रमुख प्रतिनिधि मित्सुजाकी मिजुकी बीच हस्ताक्षर भेल ।
समारोहमे अर्थमन्त्री खनाल जापान नेपालक लेल एक विश्वसनीय आ भरोसगर विकास साझेदार रहल उल्लेख करैत जापान नेपालक आर्थिक–सामाजिक विकास आ पूर्वाधार निर्माणक क्षेत्रमे निरन्तर पहुचाबैत आएल सहयोगक प्रति आभार व्यक्त केलैन । ओ हाल प्रदान कएल गेल अनुदान सहायता नेपाल आ जापान बीचक मित्रता आ सहकार्यक आओर एकटा महत्वपूर्ण प्रतीक भेल बतौलैन ।
जापानी राजदूत तोरु, जापानद्वारा प्रदान कएल गेल अनुदान सहयोगसँ बिपी राजमार्गक क्षतिग्रस्त भागसभकेँ पुनःस्थापना करबामे सहयोग पहुँचबाक विश्वास व्यक्त केलैन । ओ नेपाल आ जापान बीच रहल दशकौँ पुरान मित्रतापूर्ण सम्बन्धकेँ स्मरण केलैन । जाइकाके प्रमुख प्रतिनिधि मित्सुजाकी नेपाल–जापान सम्बन्ध आ सहयोगक विविध क्षेत्रक बारेमे धारणा राखलैन ।
हस्ताक्षर समारोहमे अर्थ मन्त्रालय, भौतिक पूर्वाधार तथा यातायात मन्त्रालय, काठमाण्डू स्थित जापानी दूतावास आ जाइकाक वरिष्ठ अधिकारीसभक उपस्थिति छल । (रासस)





