प्रधानमन्त्रीद्वारा सातो प्रदेशक मुख्यमन्त्रीसहितक बैसार आह्वान


काठमाण्डू, १६ कातिकः प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की सातो प्रदेशक मुख्यमन्त्रीसहितक बैसार आह्वान केलैन अइछ ।

आइ दुपहर ४ बजे बालुवाटारमे बैसार हाेबाक बारेमे सातो प्रदेशक मुख्यमन्त्रीकेँ जानकारी कराओल गेल प्रधानमन्त्रीके सचिवालय जनौलक अइछ ।

प्रधानमन्त्री कार्कीद्वारा परिवर्तित अवस्थामे सङ्घ आ प्रदेश सरकार बीच संवाद आ सहकार्यकेँ आओर सक्रिय बनेबाक लेल बैसारक आह्वान कएल गेल हुनक प्रेस संयोजक राम बहादुर रावल जानकारी देलैन ।

बैसारमे कोशी प्रदेशक मुख्यमन्त्री हिक्मत बहादुर कार्की, मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री जितेन्द्र प्रसाद सोनार, बागमती प्रदेशाक मुख्यमन्त्री इन्द्र बहादुर बानियाँ, गण्डकी प्रदेशक मुख्यमन्त्री सुरेन्द्रराज पाण्डे, लुम्बिनी प्रदेशक मुख्यमन्त्री चेतनारायण आचार्य, कर्णाली प्रदेशक मुख्यमन्त्री यामलाल कँडेल आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक मुख्यमन्त्री कमल बहादुर शाहके उपस्थिति रहबाक बताओल गेल अइछ ।(रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय