जनकपुरधाम । जनकपुरधाम स्थित प्रसिद्ध संस्था मैथिली विकास कोषक आयोजनामे रैब दिन एक भव्य समारोहक बीच मिथिला–मधेशक लोक–सांस्कृतिक पर्व ‘सामा–चकेवा’ प्रतियोगिता जानकी मन्दिर परिसरमे सम्पन्न भेल अइछ ।
मैथिली विकास कोषक अध्यक्ष जीवनाथ चौधरीक अध्यक्षता तथा राजर्षि जनक विश्वविद्यालयक कुलपति प्रा.डा. अमर प्रसाद यादवकें प्रमुख आतिथ्यमे कार्यक्रमम आयोजन कएल गेल । समारोहमे पूर्व मन्त्री रामसरोज यादव, मधेश प्रदेशसभा सदस्य रामअशिष यादव, जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाक मेयर मनोज कुमार साह, मधेश प्रज्ञा प्रतिष्ठानक अध्यक्ष रामभरोष कापडि ‘भ्रमर’, साहित्यकार तथा संस्कृतिकर्मी धीरेन्द्र प्रेमर्षि सहितक विशिष्ट व्यक्तित्व सबहक उपस्थिति छल ।
प्रतियोगितामे सहभागी १३ समूहमध्ये उत्कृष्ट प्रदर्शन करनिहार दस टिम केँ प्रती टिम रु. एक हजारक सान्त्वना पुरस्कार देल गेल । सामूहिक प्रस्तुति मे उत्कृष्टता देखेनिहार ‘सखि बहिनपा’ टिम केँ प्रथम स्थान प्राप्त भेल आ ओ सभ केँ रु. ११ हजार पुरस्कार देल गेल। ‘मिथिलेश्वर कल्चरल भिलेज’ टिम केँ दोस स्थान आ रु. ७ हजार पुरस्कार भेटल । तहिना तेसर स्थान प्राप्त टिम केँ रु. ५ हजार पुरस्कार प्रदान कएल गेल ।
एहि समारोहमे हजारौं दर्शकक उपस्थिति छल । आयोजक सबहक अनुसार, अइ प्रकारक सांस्कृतिक प्रतियोगितासभ मिथिला क्षेत्रक लोपोन्मुख परम्पराक जगेर्ना आ नव–पीढ़ी मे मैथिली संस्कृतिक पहिचान प्रति प्रेरणा जागृत करबाक उद्देश्य रहल अइछ ।
pic. Ghanshyam Mishra/Janakpurdham





