युवा पीढ़ी जवाबदेही, उत्तरदायी आ भ्रष्टाचारमुक्त शासन चाहैत छै: प्रधानमन्त्री


काठमाण्डू, २९ कातिक: प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की अस्ट्रेलिया आ नेपालक कूटनीतिक सम्बन्ध स्थापनाक ६५म वार्षिकोत्सव कार्यक्रममे आइ सहभागी भेल छथिन।

नेपाल स्थित अस्ट्रेलियाली राजदूतावासद्वारा काठमाण्डूमे आयोजित समारोहमे ओ दू देशक बीचक पारस्परिक सम्मान, स्थायी मित्रता आ साझा लोकतान्त्रिक मूल्यपर आधारित साझेदारीकेँ स्मरण करैत नेपाल सरकार तथा नेपाली जनताक दिससँ अस्ट्रेलियाक जनता प्रति हार्दिक शुभकामना व्यक्त केलैन अइछ।

ओ हा भेल जेनजी आन्दोलनक बाद नेपाल अपन लोकतान्त्रिक यात्रामे दृढ़तापूर्वक आगू बइढ़ रहल कहैत सम्बोधनक क्रममे कहलैन, “ई आन्दोलन ई स्पष्ट संदेश देलक जे हमर युवा पीढ़ी जवाबदेही, उत्तरदायी आ भ्रष्टाचारमुक्त शासन चाहैत अइछ। हमर सरकार ई लक्ष्य पूरा करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएने अइछ आ एहिकेँ अन्तर्गत हमसभ आगाँ फागुन २१मे प्रतिनिधिसभा निर्वाचनक लेल तैयारी क रहल छी।”

अस्ट्रेलियासँ भेटल मैत्रीभाव, विकास सहायता तथा लोकतान्त्रिक आ समावेशी रूपान्तरण प्रति समर्थनकेँ ओ अत्यन्त मूल्यवान कहैत प्रधानमन्त्री कार्की कृतज्ञता सेहो व्यक्त केलैन।
नेपाल आ अस्ट्रेलिया विभिन्न अन्तर्राष्ट्रीय तथा बहुपक्षीय मंचमे एक दोसरकेँ समर्थन करैत आयल अइछ, ई सन्दर्भ आगू करैत ओ कहलैन जे अइसँ दू देशक बीचक साझा मूल्य आ हित स्पष्ट भ रहल अइछ।

ओ कहलैन, “नेपाल क्षेत्रीय तथा विश्व शान्ति आ स्थिरताकेँ अत्यन्त महत्व दैत अइछ आ विश्वकेँ सुरक्षित तथा समृद्ध राखैमे अस्ट्रेलिया जे सकारात्मक भूमिका निभेने अइछ, ओकर उच्च प्रशंसा करैत अइछ।”

नेपाल–अस्ट्रेलिया सम्बन्धकेँ आओर सुदृढ़ बनेबामे राजदूत लियान जोन्स्टन जे योगदान देलैन, ओइ प्रति ओ धन्यवाद व्यक्त केलैन। सङे ओकर समर्पण तथा व्यक्तिगत संलग्नतासँ दू देशक बीचक आपसी समझदारी आ सहकार्यमे उल्लेखनीय प्रगति आएल अइछ, प्रधानमन्त्री कार्की बतौलैन।

कार्यकाल समाप्त भ अस्ट्रेलिया जा रहल राजदूत जोन्स्टनकेँ आगाँक जिम्मेदारी सफल आ सार्थक हो, अइ कामनाक सङ ओ शुभकामना सेहो देलैन।

प्रधानमन्त्री कार्की कहलैन, “नेपाल–अस्ट्रेलिया मैत्रीपूर्ण सम्बंधकेँ निरन्तर समर्थन करैत रहब, ई आशा करैत छी। नेपाल आ अस्ट्रेलियाक बीचक मित्रता पीढ़ी दर पीढ़ी आओर प्रगाढ़ आ समृद्ध बनैत रहय।” (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय