काठमाण्डू । नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल)के दोसर संस्करण आइसँ सुरु होबए लागल अइछ । नेपाल क्रिकेट सङ्घके अध्यक्ष चतुर बहादुर चन्दके कहब अनुसार प्रतियोगिताके शुभारम्भ दुपहर २ बजे हएत । मङ्सिर २७ गतेधैर होएबला एनपिएलमे लिग चरण, तीन टा प्लेअफ आ फाइनलसहित ३२ खेल हएत ।
त्रिवि क्रिकेट मैदानकेँ प्यारापिट आ फ्लड लाइटके व्यवस्थासहित स्तरोन्नति कएल गेल दोसर संस्करण क्रिकेट प्रेमीके लेल उत्साहके विषय बनल अइछ । आइ होएबला पहिल उद्घाटन खेलमे साविक विजेता जनकपुर बोल्ट्स आ काठमाण्डू गोर्खाज बीच प्रतिस्पर्धा हएत ।
र्कीतिपुरस्थित अन्तर्राष्ट्रिय त्रिवि क्रिकेट मैदानमे होएबला उक्त खेल साँझ ४ बजेसँ सुरु हएत ।
पहिल संस्करणमे नेपाली राष्ट्रिय टोलीके पूर्व प्रशिक्षक सेहो रहल पुबुदु दासानायकेके नेतृत्वमे रहल जनकपुर अइ संस्करणमे वेस्ट इन्डिजके शिव नारायण चन्द्रपालके प्रशिक्षणमे अइछ ।
प्रतियोगिताके लेल दक्षिण अफ्रिकाके भेट्रान स्पिनर इमरान ताहिर आ वायने पार्नेलके जनकपुर अपन टिममे सहभागी करौने अइछ । ई दूनु अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेटमे दक्षिण अफ्रिकाके प्रतिनिधित्व क चुकल छैन । तहिना, पहिल संस्करणके उद्घाटन आ फाइनल खेलमे अर्धशतक बनौने लाहिरु मिलान्थाकेँ जनकपुरद्वारा अइ सिजनमे सेहो निरन्तरता देल गेल अइछ ।
तहिना, संजय कृष्णमुर्ती (अमेरिका) आ निकोल लोफ्टी इटोन (नामिबिया) अखनधैर जनकपुरसँ खेलबाक लेल निश्चित भेल अन्य दू विदेशी खेलाड़ी छैन ।
तहिना, काठमाण्डू भारतक मोन्टी देसाईकेँ मुख्य प्रशिक्षकके भूमिकामे नियुक्त कएने अइछ । मोन्टी नेपाली राष्ट्रिय क्रिकेट टोलीके पूर्व मुख्य प्रशिक्षक सेहो छैन । अइ बेरक एनपिएलमे काठमाण्डू विदेशी खेलाड़ीके कोटा पूरा केनिहार पहिल टिम बनल अइछ । टोली पहिल विदेशी खेलाड़ीके रुपमे दक्षिण अफ्रिकाके विकेटकिपर ब्याटर रिकार्डो भास्कोनेसेलोसकेँ अनुबन्ध कएने छल ।
काठमाण्डू स्कटल्यान्डके जेरहार्ड इरस्मससँ सम्झौता नवीकरण कएने अइछ । अमेरिकी अलराउन्डर मिलिन्द कुमार, भारतीय मूलके अमेरिकी खेलाड़ी सन्नी पटेल आ इङ्ल्यान्डके खेलाड़ीद्वय बेन चार्ल्सवर्थ आ जोन सिम्पसन सेहो टिममे सहभागी छैन ।
काठमाण्डू मार्की खेलाड़ी करण केसीसहित भीम सार्की, शाहव आलम, रशिद खान, दीपेश कँडेल आ प्रतिक श्रेष्ठकेँ दोसर सिजनमे सेहो निरन्तरता देने अइछ । तहिना, मिनी अक्सनसँ मोहम्मद आदिल आलम अन्सारी, सन्तोष यादव, आकाश त्रिपाठी, उत्तम थापामगर आ तुल बहादुर थापाकेँ टिममे समावेश कएने छल ।
दोसर संस्करणके जनकपुरक टोलीमे मार्की खेलाड़ी आसिफ शेखसहित अनिल कुमार साह, जोन निकोल लोफ्टी इटोन, ललित नारायण राजवंशी, किशोर महतो, रुपेश सिंह, इमरान ताहिर, तुल बहादुर थापामगर, मयन यादव, आदित्य महता, विकास अग्री, सचिन भट्टराई, लाहिरु मिलन्था, वायने पार्ने आ सञ्जय कृष्णमुर्ती छैन ।
तहिना, काठमाण्डू गोर्खाजमे मार्की खेलाड़ी करण केसीसहित भीम सार्की, शाहव आलम, रशिद खान, दीपेश कँडेल, प्रतिक श्रेष्ठ, रिकार्डो भास्कोनेसेलोस, मिलिन्द कुमार, मोहम्मद आदिल आलम अन्सारी, सन्तोष यादव, आकाश त्रिपाठी, उत्तम थापामगर, तुलबहादुर थापा, जेरहार्ड इरस्मस, जोहन सिम्पसन, बेन चार्ल्सवर्थ आ सन्नी पटेल छैन । (रासस)





