एनपिएलक चारिम अर्धशतक मार्टिन आ पाँचम लोकेशके नाममे


काठमाण्डू, २ अगहन: काठमाण्डूमे जारी दोसर संस्करणक नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल)मे चारिम अर्धशतक बनेनिहार मार्टिन गुप्टिल आ पाँचम अर्धशतक बनबैबला खेलाड़ी लोकेश बम भेल छैथ। ई दुनू खेलाड़ी विराटनगर किङ्सके छैथ।

मार्टिन आ लोकेश आइ भेल पोखरा एभेन्जर्सक विरुद्धक खेलमे अर्धशतक जोड़लैन। मार्टिन २८ बलमे अर्धशतक पूरा केलैन। ३५ बल खेलने मार्टिन ६१ रनमे आउट भेल।

एहिना लोकेश बम ३७ रनमे अर्धशतक पहुचेलक । ४७ बलमे ७२ रन बना क लोकेश पभेलियनमे गेल । लोकेश आ मार्टिन १४६ रनक ओपनिङ साझेदारी सेहो केलैन। अइसँ पहिने तेसर अर्धशतक मारैबला खेलाड़ीमे रवी बोपारा बनल छल। (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय