सिरहा, ३ अगहनः जिलाक लहान नगरपालिका दीर्घकालीन सरसफाइ प्रवर्द्धनक लेल ‘घर–घरके शान, स्वच्छता अभियान–२०८२’ सुरु करैत नगर भीतर अखनो पैघ सङ्ख्यामे शौचालयबिहीन घरपरिवार भेल तथ्य सार्वजनिक केलक अइछ ।
नगरपालिकाके सर्वेक्षणअनुसार २४ हजार सात सओ घरपरिवारमध्ये लगभग १७ प्रतिशत अर्थात् चाइर हजार दू सओ घरमे अखनधैर शौचालय नै अइछ । नगर प्रमुख महेश प्रसाद चौधरी मङ्गलदिन पत्रकार सम्मेलनमार्फत तथ्याङ्क सार्वजनिक करैत स्वच्छता चुनौती गम्भीर भेल उल्लेख केलैन ।
ओ कहलैन, “सन् २०१७ मे खुला दिसामुक्त घोषणा भेल नगरमे अखनो पैघ सङ्ख्यामे घरपरिवार शौचालयबिहीन अइछ जे चिन्ताजनक अवस्था छै । आब घर–घर जा क वास्तविक अवस्था परिवर्तन करबाक समय आएल छै ।”
दलित, भूमिहीन, गरिब तथा बाइढ़–जोखिमयुक्त बस्तीमे समस्या बेसी अइछ । भूमिहीन सुकुम्बासीके लेल उपयुक्त स्थान पहिचान क स्थानान्तरण प्रक्रिया आगु बढ़ाएल जेबाक नगरप्रमुख चौधरी बतौलैन ।
नगरपालिकाद्वारा जनप्रतिनिधि, सामाजिक परिचालक, समुदायक संस्था, विद्यालय तथा युवा समूहक सहकार्यमे तीन महिनाधैर घर–घर जा क प्रत्यक्ष अनुगमन करबाक तैयारी कएल गेल अइछ ।
नगरप्रमुख चौधरी सब नागरिककेँ अभियानमे सहभागी होबाक लेल आग्रह करैत कहलैन, “शौचालय केवल सुविधा मात्रे नै छै, स्वास्थ्य आ सम्मान दूनु छै । स्वच्छता सुधार नगरवासीके सक्रिय सहभागितासँ संभव हएत ।” (रासस)





