राष्ट्रिय समाचार समिति
काठमाण्डू, ३ अगहनः नेपाली कांग्रेसक युवा नेतासभ कांग्रेस सुधार अभियान सुरू केलक अइछ । नेपाली कांग्रेसमे आस्थावान ४० सालसँ निचा उमेरक युवा पार्टीभित्र रहल युवाके सम्मानजनक सहभागिता प्रतिनिधित्व सुनिश्चित होएबाक चाही माँग करैत आइ १०१ सदस्यीय कांग्रेस सुधार अभियान केन्द्रीय संयोजन समिति गठन कएने अइछ ।
पार्टीभित्र आमूल सुधार आ रूपान्तरणक लेल पार्टीके हरेक तह आ पार्टीके दिससँ तीनुटा तहमे होएबला निर्वाचनमे ४० सालसँ कमके ४० प्रतिशत युवाके प्रतिनिधित्व सुनिश्चितताक लेल दबाब देबाक लेल संयोजन समिति गठन भेल नेपाल विद्यार्थी सङ्घके पूर्व कोषाध्यक्ष शिव रिमाल राससकेँ जानकारी देलैन अइछ ।
उक्त समिति खबरदारी करैत सुशासन कायम करए लेल, पार्टीके दिससँ हरेक निकायके निर्वाचनमे उम्मेद्वार छनाैट करैत काल ‘प्राइमरी इलेक्सन’के व्यवस्था करेबाक सेहो माँग केलक अइछ । पाटीभित्र विधानके संशोधन, लोकतन्त्रके संरक्षण, सम्वर्द्धनक लेल खबरदारी, नयाँ बहस आ पैरवीक लेल सुरूआती चरणमे प्रतिनिधिमूलक रुपमे समिति गठन कएल गेल रिमाल बतौलैन । (रासस)





