प्रधानमन्त्री कार्कीद्वारा सर्वपक्षीय बैसार आह्वान


काठमाण्डू, १९ अगहनः प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की सर्वदलीय बैसार आह्वान केलैन अइछ । अइगला फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधि सभा निर्वाचनक बारेमे परामर्श करबाक लेल ओ आइ दुपहर ४ बजे सर्वपक्षीय बैसारक आह्वान कएने प्रधानमन्त्रीके सचिवालय जनौलक अइछ ।

प्रधानमन्त्री कार्की बैसारमे जेनजी प्रतिनिधि, सुरक्षा निकाय, निर्वाचन आयोगलगायत निर्वाचनसम्बन्धी निकायकेँ सेहो सहभागी होबाक लेल आह्वान कएने छैथ । अइगला फागुन २१ गतेक निर्वाचनकेँ केन्द्रित करैत सरकार सरोकावाला पक्षसँ निरन्तर परामर्श करैत आएल अइछ ।

निर्वाचन आयोग प्रतिनिधि सभा निर्वाचन कार्यतालिका सेहो सार्वजनिक क चुकल अइछ । नेपाली कांग्रेस, नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले), नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी, राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) लगायत छोट तथा मधेश केन्द्रित दल निर्वाचन केन्द्रित गतिविधिकेँ आगु बढ़ौने अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय