धनुषा, १९ अगहनः मधेश–प्रदेशक राजधानी जनकपुरधाम प्रवेश करैबला मुख्य सड़क मार्ग जनकपुर–ढल्केवर छ लेन सड़कखण्डके तीन ठाममे आकासे पुल निर्माण भ रहल अइछ ।
पैदल यात्रीके बेसी भीड़, सवारी आवागमन, ट्राफिक व्यवस्थापनमे समस्या आ दुर्घटना नियन्त्रण करबाक लेल परियोजना आगु बढ़ाएल गेल सड़क डिभिजन कार्यालय जनौलक अइछ ।
कार्यालयके अनुसार तीनू पुल सड़कखण्डके अत्यन्त व्यस्त आ जोखिमयुक्त ठाँम छनौट क करिब १० करोड़ ५० लाख टकाके लागतमे निर्माण भ रहल अइछ । कार्यालयके ईञ्जिनियर उज्जवल झा लक्ष्मीनियाँ गाउँपालिकाके मुख्य क्षेत्र लक्ष्मीनियाँ बजार, क्षीरेश्वरनाथ नगरपालिकाके महेन्द्रनगर बजारके महिला विकास चौक आ सखुवा चौकमे पुल निर्माण भ रहल बतौलैन ।
ओ कहलैन, “एक महिनासँ तीनू स्थानमे पिलर निर्माणलगायत आवश्यक आधारभूत संरचना बनाइब रहल छी । निर्धारित समयसीमा भीतर निर्माण सम्पन्न करैजका काज भ रहल छै ।”
इञ्जिनियर झाके कहब अनुसार तीनटा पुलमध्ये लक्ष्मीनियाँ बजारमे तीन करोड़ ४२ लाख टका, महेन्द्रनगर बजारस्थित महिला विकास चौकमे तीन करोड़ ३५ लाख टका आ सखुवा चौकमे तीन करोड़ ४५ लाख टकामे बइन रहल छै । सब पुल पाँच दशमलव छ मिटर उँचाइ, २९ दशमलव चाइर मिटर लम्बाइ आ तीन मिटर चौड़ाइके हएत ।
जिला ट्राफिक प्रहरी कार्यालयके प्रमुख प्रहरी निरीक्षक सूर्य बहादुर शाही आकासे पुल निर्माणक बाद जनकपुर–ढल्केवर सड़कखण्डमे ट्राफिक व्यवस्थापनमे सहज होबाक बतौलैन । हुनक कहब अनुसार अइ ठाम दैनिक हजारो पैदल यात्री आ सवारीसाधन आवतजावत कएलाक कारण दुर्घटनाके जोखिम बेसी अइछ ।
क्षीरेश्वरनाथ उद्योग वाणिज्य सङ्घक अध्यक्ष सुरेश यादव जनकपुरधाम जाएबला धार्मिक पर्यटक तथा स्थानीयके बेसी भीड़ भेलाक कारण पुल निर्माणक बाद दुर्घटना न्यूनीकरणमे सहयोग होबाक बतौलैन । स्थानीय रोहित राज खनाल आकासे पुल निर्माणक बाद बेसी व्यस्त रहैबला जनकपुर–ढल्केवर सड़कखण्डमे ट्राफिक व्यवस्थापन आ सहरी सौन्दयर्यीकरणमे सहयोग होबाक बतौलैन ।
सड़क डिभिजन कार्यालय चालु आर्थिक वर्ष भीतर पुल निर्माण सम्पन्न करबाक लक्ष्य राखने अइछ । (रासस)





