राजविराज । संविधान संशोधन आ २८ बुँदे माग समेटैत जनता समाजवादी पार्टी (जसपा) नेपालक पूर्व घोषित कार्यक्रम अनुसार शुक्रदिना देशभरक जिल्ला प्रशासन कार्यालय सभ आगाँ पार्टीक नेता–कार्यकर्तासभद्वारा धर्ना देल गेल।
पार्टीक केन्द्रीय सचिव शैलेन्द्र प्रसाद साहक कहल अनुसार एहिसँ पहिले चरणबद्ध रूपमे शान्तिपूर्ण विरोध, धरना आ जनसभा चलावेबाक निर्णय भेल रहैक, जे बमोजिम आब देशभरक प्रशासन कार्यालय सभमे कार्यक्रम सम्पन्न भ’ रहल छै। साहक कहल अनुसार पार्टी प्रत्यक्ष कार्यकारी राष्ट्रपति, समान जनसँख्या आधारिक निर्वाचन क्षेत्र, पूर्ण समावेशी संसद्, आ स्वायत्त अधिकार सम्पन्न प्रदेश जेकाँ संवैधानिक विषयसभमे तत्काल संशोधन करबाक मांग राखने छै। एही प्रस्तावसभ केँ समेटैत कुल २८ बुँदे माग सरकारक आगूँ प्रस्तुत कएल गेल छै।
पार्टीक घोषित कार्यक्रम अनुसार मंसिर १० गते देशभरकसभ जिलासँ जिल्ला प्रशासन कार्यालयमार्फत प्रधानमन्त्रीक नाम ज्ञापनपत्र बुझाओल गेल। ताहिक बाद मंसिर ११ सँ १५ धरि हरेक संसदीय क्षेत्रक शहर आ बजारमे विरोध कार्यक्रम, कोण सभा आ जनपरिचालन अभियान सम्पन्न भेल।
आगाँक कार्यक्रम अनुसार मंसिर १९ सँ २१ गते धरि जिल्ला सदरमुखामक प्रशासन कार्यालय सभ आगाँ मांगसहित प्लेकार्ड आ ब्यानरसँग शान्तिपूर्ण धरना जारी रहत। एतबे नहि, मंसिर २७ सँ पुस ४ धरि देशभर जिला–स्तरक विरोधसभा आ जनसभा आयोजना करल जाएत।
प्रदेश–स्तरक प्रदर्शनक तिथि सेहो घोषणा भेल छै—पुस १२ गते विराटनगर, १४ गते जनकपुर, १५ गते वीरगन्ज आ १७ गते नेपालगन्ज/भैरहवा मे भव्य प्रदर्शन करल जाएत। पार्टीक दाबी छै जे एही आन्दोलन संविधानिक अधिकार सुनिश्चित करबाक दिशा मे ठोस कदम साबित हएत।





