जनकपुरधाम । मधेश प्रदेशमे नव सत्ता समीकरण बनलाक बाद नेपाली कांग्रेस संसदीय दलक नेता कृष्णप्रसाद यादव मुख्यमन्त्री नियुक्त भेल छइथ।
प्रदेश प्रमुख डा. सुरेन्द्र लाभ कर्ण संविधानक धारा १६८(२) अनुसार हुनका मुख्यमन्त्री नियुक्त कएलक अइछ। यादव सात दलीय गठबन्धन नेपाली कांग्रेस, जसपा नेपाल, जनमत पार्टी, नेकपा माओवादी केन्द्र, लोसपा, एकीकृत समाजवादी सहित दलक ७७ गोटा सांसदक समर्थनसहित सरकारक नेतृत्वमे आएल छइथ।
अइस`पहिने संविधानक धारा १६८(३) अनुसार बढका दलक नेता सरोज कुमार यादव २३ कात्तिकमे मुख्यमन्त्री बनल छल। हुनका विरुद्ध सात दल सर्वोच्च अदालतमे रिट दायर कएलाक बाद परिस्थिति बद्लल छल। सर्वोच्च अदालत अगहन १५ गते तत्कालीन मुख्यमन्त्री यादवके २४ घण्टाभित्तर विश्वासक मत लेबए आदेश देने छल। विश्वास मत नइँ ल कए अगहन १७ गते यादव पदस राजीनामा देने छल।





