निर्वाचन करेबाक लेल सब हिसाबसँ आयोग तैयार छै: कार्यबाहक प्रमुख आयुक्त भण्डारी


काठमाण्डू, २० अगहनः निर्वाचन आयोग नेपाल क कार्यबाहक प्रमुख आयुक्त रामप्रसाद भण्डारी अगिला फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधिसभा सदस्य निर्वाचन क लेल आयोग सब हिसाबसँ तैयार रहल बताैलैन अइछ।

निर्वाचनके आब ९० दिन बाँकी रहल अवस्थामे आइ राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)सँ बात करैत कार्यबाहक प्रमुख आयुक्त भण्डारी कहलैन जे नेपाल सरकार आयोगक मांगक अनुसार आवश्यकसभ प्रबन्ध कएने छी आ आयोग कार्यतालिका तथा कार्यक्रम प्रकाशित क ओइ अनुसार काज क रहल अइछ, जाहिसँ निर्वाचनक वातावरण आओर सुनिश्चित भेल अइछ। ओ कहलैन जे प्रधानमन्त्री सुशीला कार्कीद्वारा बजाएल गेल राजनीतिक दल, नेपाल सरकारक सम्बन्धित मन्त्री आ सुरक्षा निकाय क प्रमुखसभसँ बातचितमे आयोग निर्वाचन क लेल तत्पर रहबाक बात स्पष्ट रूपसँ राखलक।
“हमरासभकेँ बजेट क किछु अपर्याप्तता छल। अर्थ मन्त्रालय माँग वा खर्च होएबला आधारपर आओर नगद सेहो निकासा देबाक प्रतिबद्धता द चुकल अइछ”, कार्यबाहक प्रमुख आयुक्त भण्डारी कहलैन, “आब हमसभ नियमित कार्यक्रम आगू बढ़ाएब। ई बात हमसभ सरकार, राजनीतिक दल आ सुरक्षा निकायकेँ स्पष्ट रूपसँ कहि देने छी।”

निर्वाचन क लेल आयोग लगभग सात अरब टका बजेट माँग कएने छल, जाहिमे अर्थ मन्त्रालय पाँच अरब ९६ करोड़ टका स्रोत एकर पहिने सुनिश्चित क चुकल अइछ। आयोग आइ समानुपातिक निर्वाचन प्रणाली दिसक निर्वाचनमे सहभागी होएबला राजनीतिक दलसभकेँ निवेदन देबाक लेल आह्वान कएने अइछ। अइ अगहन १४ गतेधैर निर्वाचनमे सहभागीताक लेल १२० राजनीतिक दल आयोगमे निवेदन द चुकल छैथ।

अइ बीच रासस अपन नियमित बुलेटिनमे निर्वाचनक दिनगणना (काउण्टडाउन) सहित समाचार आ सामग्री सभकेँ महत्व देबाक सुरू कएने अइछ, जाहिपर आभार व्यक्त करैत कार्यबाहक प्रमुख आयुक्त भण्डारी कहलैन जे देशमे निर्वाचनमय वातावरण सृजना क लेल रासस जकाँ सञ्चारमाध्यम क भूमिका महत्वपूर्ण हेत । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय