आइ अन्तर्राष्ट्रिय मानव अधिकार दिवस


काठमाण्डू, २४ अगहनः मानव अधिकारक संरक्षणके लेल विश्वव्यापी सझिया सहकार्य आ प्रतिबद्धताके लक्ष्यसँ आइ विश्वभैर ७७म अन्तर्राष्ट्रिय मानव अधिकार दिवस मनाओल जा रहल अइछ । नेपालमे सेहो दिवसके अवसरमे विभिन्न कार्यक्रमक आयोजन कएल गेल अइछ ।

अन्तर्राष्ट्रिय मानव अधिकार दिवसके अवसरमे राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल, उपराष्ट्रपति राम सहाय प्रसाद यादव, प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की, विभिन्न राजनीतिक दल शुभकामना देलैन अइछ । सन् १९४८ मे संयुक्त राष्ट्र सङ्घके महासभासँ पारित कएल गेल मानव अधिकारक विश्वव्यापी घोषणापत्र (युडीएचआर)के स्मरणमे प्रत्येक वर्ष ई दिवस मनाएल जाइत अइछ ।

उक्त घोषणापत्रसँ जाइत, धर्म, लिङ्ग, भाषा, विचार, सामाजिक मान्यता या जन्मक आधारमे कोनो भेदभाव नै क सबकेँ समान अधिकार सुनिश्चित कएल गेल अइछ । नेपालमे अइ दिवससँ जनचेतना विस्तार, अधिकारक संरक्षण आ न्यायपूर्ण समाज निर्माणमे आओर ऊर्जा प्रदान करैत आएल अइछ ।

मङ्गलदिन मात्रे मानव अधिकार रक्षकसभक अन्तर्राष्ट्रिय दिवस मनाएल गेल अइछ । मानव अधिकारके विश्वव्यापी घोषणापत्र १९४८, मानव अधिकार रक्षकसम्बन्धी घोषणापत्र १९९८, नेपाल पक्षराष्ट्र भेल नागरिक तथा राजनीतिक अधिकारसम्बन्धी महासन्धी, १९६६ मे प्रत्येक व्यक्तिके अपन अधिकारक सङे दोसरके अधिकारक लेल वकालत क सकबाक अधिकारके सुनिश्चितता कएल गेल अइछ ।

नेपाल सरकार मानव अधिकारकर्मीके सुरक्षा आ संरक्षण करबाकसम्बन्धी आदेश, २०७७ सेहो जारी कएने अइछ ।(रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय