गण्डकी, २९ अगहनः गृहमन्त्री ओम प्रकाश अर्याल अइगला फागुन २१ गतेकेँ लेल निर्धारण कएल गेल प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचन सम्पन्न करबाक लेल सरकार दृढ़ रहल बतौलैन अइछ ।
पोखरामे आइ आयोजित गण्डकी प्रदेशस्तरीय सुरक्षा गोष्ठीके उद्घाटन करैत ओ निर्धारित समयमे निर्वाचन सम्पन्न करबाक लेल एकीकृत सुरक्षा योजना निर्माण सङे व्यवस्थापकीय तैयारीमे सरकार जुटल बतौलैन ।
“वर्तमान सरकार निर्वाचन करबाक लेल गठन भेल छै, निर्धारण कएल गेल समयमे निर्वाचन सम्पन्न क नयाँ निर्वाचित सरकारकेँ सत्ता हस्तान्तरण केनाइ अखनके सरकारक प्रमुख जिमेवारी छै”, ओ कहलैन, “निर्वाचनक कार्यतालिका सेहो सार्वजनिक भ गेल छै, फागुन २१ गते निर्वाचन सम्पन्न हएत ।” निर्वाचनक लेल विश्वासके वातावरण बनेबाक लेल सरकारक दिससँ राजनीतिक दलसहित सरोकार भेल पक्षसभसँ वार्ता आ संवाद भ रहल गृहमन्त्री अर्याल बतौलैन ।
निर्वाचनक लेल एकीकृत सुरक्षा योजना लागू कएल गेल आ प्रदेश तथा जिलास्तरमे सुरक्षा अवस्थाके विश्लेषण क निर्वाचन सुरक्षा रणनीति निर्धारण कएल जेबाक ओ बतौलैन । जेनजी आन्दोलनक क्रममे कारागारसँ फरार भेल कैदीबन्दीमध्ये ७० प्रतिशतकेँ कारागार घुराओल गेल आ लुटल गेल हतियार सेहो फिर्ता होबाक क्रम जारी रहल गृहमन्त्री अर्याल बतौलैन । “जेनजी आन्दोलनक बाद उत्पन्न सुरक्षा चुनौतीके अवस्थाकेँ सामान्य बनेबाक आ देशमे शान्ति सुरक्षाके प्रत्याभूति करेबाक विषयमे सरकार गम्भीर ढङ्गसँ लाइग रहल छै”, ओ कहलैन ।
गृहमन्त्री अर्याल निर्वाचन सम्पन्न करबाक लेल प्रदेश सरकारके महत्त्वपूर्ण भूमिका रहबाक बतौलैन । प्रदेशस्तरीय सुरक्षा गोष्ठीमे नेपाली सेना, नेपाल प्रहरी आ सशस्त्र प्रहरी बलके उच्चपदस्थ अधिकारीसहित गण्डकीके ११ जिलाक सुरक्षा निकायके प्रमुखसभ सहभागी छैथ । गोष्ठीमे गण्डकी प्रदेशक सुरक्षा अवस्थाके विश्लेषण क भावी सुरक्षा सुरक्षा रणनीति आ कार्यदिशा निर्धारण कएल जेबाक गृह मन्त्रालयके सहसचिव गोविन्द रिजाल बतौलैन । गोष्ठीमे निर्वाचन सुरक्षा योजनाके बारेमे सेहो बातचित होबाक ओ बतौलैन । (रासस)






