वीरगञ्ज (पर्सा), २ पुसः वीरगञ्ज भंसार कार्यालय चालु आर्थिक वर्षके पाँच महिनामे ९६ अरब ३८ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन केलक अइछ ।
कार्यालय बितल आर्थिक वर्षके पाँच महिनाके तुलनामे चालु आर्थिक वर्षके ओएह अवधिमे १२ अरब एक करोड़ टका अर्थात् १४ प्रतिशत बेसी राजस्व सङ्कलन कएने अइछ । कार्यालय बितल आर्थिक वर्षके पाँच महिनामे ८४ अरब ३७ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन कएने छल ।
वीरगञ्ज भंसार कार्यालयके प्रमुख भंसार प्रशासक विष्णु प्रसाद ज्ञवाली चालु आर्थिक वर्षके पाँच महिनामे राजस्व सङ्कलन उत्साहजनक भेल बतौलैन । “कार्यालय अगहन महिनामे २१ अरब ३३ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन करबाक लक्ष्य राखने छल । मुदा, अगहन महिनामे लक्ष्यके ९८ प्रतिशत अर्थात् २० अरब ८० करोड़ टका राजस्व सङ्कलन कएल गेल अइछ ।”
चालु आर्थिक वर्षके पाँच महिनामध्ये सबसँ बेसी राजस्व सेहो अगहन महिनामे सङ्कलन कएल गेल प्रमुख भंसार प्रशासक ज्ञवाली बतौलैन । साओनमे १८ अरब ४४ करोड़ टका, भादबमे २० अरब ७३ करोड़ टका, आसिनमे १९ अरब नौ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन कएल गेल ओ जानकारी देलैन । (रासस)





