जसपा नेपालक रामअशिष बनत मधेश प्रदेश सभाक सभामुख


जनकपुरधाम, ५ पुस । मधेश प्रदेश सभामे किछु समयसँ रिक्त रहल सभामुख पद पर जनता समाजवादी पार्टी (जसपा) नेपालक प्रमुख सचेतक रामअशिष यादव चयन होयबाक लगभग पक्का भेल अइछ ।
सात दलीय गठबन्धनद्वारा साझा उम्मेदवार बनावेके निर्णय भेलाक बाद यादवकेँ सभामुख बननाइ लगभग निश्चित भऽ गेल अइछ । शइन दिन भेल गठबन्धनक बैठकमे सर्वसम्मत रूपेँ यादवक नाम पर सहमति बनल अइछ से जानकारी जसपा नेपालक प्रवक्ता मनिष कुमार सुमन देलैन ।
प्रवक्ता सुमनक अनुसार सभामुख पद लेल बौद्धिक, शालीन, स्वच्छ आ निष्पक्ष छवि रहल व्यक्ति प्रदेशसभा सदस्य रामअशिष यादव उपयुक्त छइथ, अहि आधार पर सातो दल मिलि कए हुनका साझा उम्मेदवार बनौने अइछ । सात दलीय गठबन्धनमे नेपाली कांग्रेस, जसपा नेपाल, जनमत पार्टी, नेकपा माओवादी केन्द्र, लोसपा, नेकपा एकीकृत समाजवादी आ नागरिक उन्मुक्ति पार्टी शामिल अइछ ।
प्रदेशसभा सचिवालय द्वारा सार्वजनिक निर्वाचन कार्यतालिका अनुसार यादव सभामुख पद लेल उम्मेदवारी सेहो दर्ता करौलक अइछ । आइ करिब १ बजे प्रदेशसभा सचिवालयमे यादव अपन उम्मेदवारी दर्ता कराओने जानकारी देलक अइछ । हुनक उम्मेदवारीमे नेपाली कांग्रेसक प्रदेशसभा सदस्य वीरेन्द्र कुमार सिंह प्रस्तावक रहल छइथ तर समर्थकमे नेकपा माओवादी केन्द्रक फकिरा महतो रहल छइथ ।
रामअशिष यादव धनुषा निर्वाचन क्षेत्र नं. २ (ख) सँ दोसर बेर प्रदेशसभा सदस्य निर्वाचित भेल छइथ । ओ सरसफाइ तथा पर्यावरण अभियानी रूपेँ सेहो चिन्हल जाइत छइथ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय