निर्वाचन जनता आ राजनीतिक दलक इच्छा अइछः संयोजक दाहाल


काठमाण्डू, ५ पुसः नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी(नेकपा) क संयोजक पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ निर्वाचनमे जाएब जनता आ राजनीतिक दलके इच्छा रहल से कहैत किछु तत्वकेँ प्रभावित करबाक प्रयास क रहल बतौलैन।

नेकपाके बागमती प्रदेश स्तरीय एकता सन्देश सभाकेँ आइ एत सम्बोधन करैत ओ देशकेँ संकटसँ बचेबाक लेल घोषित तिथिमे निर्वाचनके बाहेकसँ बेसी कोनो विकल्प नै भेल बतौलैन।

“घोषणा भ चुकल निर्वाचन आइ-काइलके सहज विकल्प अइछ। जनता निर्वाचनक लेल तैयार भ रहल छैथ” संयोजक दाहाल कहलैन, “निर्वाचनके प्रक्रियामे आगू बढ़ैबला जनता आ राजनीतिक दलके इच्छाकेँ कियाे भ्रमित नै करए।”

निष्पक्ष निर्वाचन करबाक जिमेवारी सरकारक भेल कहैत ओ संसद पुनःस्थापनाक हल्लाकेँ छाेइड क आगू बढ़ए पड़त। “सँचे फागुन २१ गते निर्वाचन हएत की? लोकके मनमे संसद पुनःस्थापना हएत की निर्वाचन हएत से प्रश्न जन्म ल रहल अइछ”, ओ कहलैन, “निर्वाचने सहजसँ छै, निर्वाचन मार्फतए देशकेँ नवका दिशा देल जा सकैत छै।” ओ संसद पुनःस्थापनाकसँ सहज नै भेल बतौलैन।

संयोजक दाहाल भ्रष्टाचारक विरुद्ध अभियान चलाबैबला, सुशासनक पक्षमे लड़ैबला, उत्पीडित जाति, वर्ग, क्षेत्र आ समुदायक पहिचान आ अधिकारक लेल योगदान करैबला जेनजी पुस्ताक अभिभावक आ प्रतिनिधि भेल बतौलैन।

देशक वाम इतिहासमे ओसभ बृहत् एकताक नवका पहल क रहल जानकारी दैत ओ देशभैरके अन्य वामपन्थी शक्तिसभकेँ सेहो एकता प्रक्रियामे समावेश होबाक आह्वान केलैन। (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय