सिरहा, ८ पुसः जेनजी आन्दोलनक क्रममे बितल भादब २४ गते देशक विभिन्न बाल सुधार गृह तथा कारागारसँ भागल कैदीबन्दीमध्ये सिरहा प्रहरी अखनधैर दू गोटे नाबालकसहित ११ गोटेकेँ गिरफ्तार केलक अइछ ।
जिला प्रहरी कार्यालयके अनुसार जलेश्वर, नख्खु, जगन्नाथ देवल, सप्तरी, सिन्धुली, केन्द्रीय कारागार तथा बाल सुधार गृह वीरगञ्जसँ भागल कैदीबन्दीके गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।
गिरफ्तार भेलमध्ये नौ गोटेकेँ सम्बन्धित कारागार तथा सुधार गृहमे पठाएल गेल अइछ, तँ बाँकी दू गोटेकेँ जिमा लगेबाक प्रक्रिया चइल रहल जिला प्रहरीके प्रहरी निरीक्षक ओम प्रकाश पण्डित जानकारी देलैन । (रासस)





