अन्तरिम सरकारक मन्त्री चुनावमे गेलापर सांसदद्वारा आलोचना


काठमाण्डू, १४ माघः राष्ट्रियसभाक आजुक बैसारमे सदस्यसभ अन्तरिम सरकारमे किछ मन्त्री चुनावी मैदानमे कुदल से टिप्पणी केलैन अइछ। बैसारमे विशेष समयमे सांसदसभ वर्तमान अन्तरिम सरकारक चाइर गोटे मन्त्री जिमेवारी छोइर क प्रतिनिधिसभा सदस्यके निर्वाचनमे उम्मेदवारी देलाक विषयमे असन्तुष्टि जनाैने अइछ ।

२३ आ २४ भादबमे भेल जेनजी आन्दोलनबाद पूर्वप्रधानन्यायाधीश सुशीला कार्कीके नेतृत्वमे बनल मन्त्रिपरिषद्के चाइर गोटे मन्त्री राजीनामा दैत निर्वाचनमे उम्मेदवार देने छैथ । अइसँ सरकारक नैतिकतापर प्रश्न सहो उइठ सकबाक कहैत असन्तुष्टि जनाैने अइछ ।

सांसद नारायणदत्त भट्ट नागरिक सरकार गठन भेलासँ विश्वासअनुसार कार्यसम्पादन करबाक चाही मुदा तेहन नै भ सकल कहलैन । नागरिक सरकारमे रइह क निर्वाचनमे उम्मेदवार बनब आपत्तिजनक भेल कहैत ओ सत्ताक लेल मात्रे राजनीति करैबला प्रवृत्तिके आलोचना केलैन ।

सांसद विष्णु कुमारी सापकोटा जेनजी आन्दोलनके शहिदसभके स्मरण करैत शान्तिसुरक्षामे सुरक्षा निकायके भूमिका आओर प्रभावकारी बनेबाक चाही बतौलैन। निर्वाचन घोषणा भेलाक बाद नैतिक जिमेवारीसँ भागैत मन्त्रीसभ राजीनामा द क चुनावी मैदानमे जाएब अनुचित भेल हुनकर कहब छैन ।

सांसद सुमित्रा बिसी छ महिनामे चुनाव करेबाक प्रतिबद्धतासहित आएल सरकारकेँ बीचेमे जिमेवारी छोड़ब गैरजिमेवारी भेल बतौलैन । ओ मन्त्रीसभ सम्पत्ति विवरण सार्वजनिक नै कएल विषयमे सेहो सरकारक ध्यानाकर्षण करेलैथ ।

सांसद श्रीकृष्णप्रसाद अधिकारी अगिला निर्वाचनकेँ निष्पक्ष आ शान्तिपूर्ण बनाबए सरकारसँ आग्रह केलैन । ओ सरकार राष्ट्रिय गौरवके आयोजनाके बजेट रोक्का नै करबाक लेल विचार व्यक्त केलैन । ओ संसद् विघटनके बादो सभा सञ्चालनके लेल पहल कएलासँ सभाध्यक्षप्रति आभार सेहो व्यक्त केलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय