सिरहा, २१ माघः वैदेशिक रोजगारीके लेल आकर्षक तलबके प्रलोभन द एक गोटे युवककेँ भारतमे शरीर बन्धक बनौने आरोपमे दू गोटेकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।
जिला प्रहरी कार्यालयके सूचना अधिकारी रमेश बहादुर पालके कहब अनुसार कल्याणपुर नगरपालिका–७ के २६ वर्षक सुरज मुखिया आ लहान नगरपालिका–११ के २२ वर्षक प्रशान्त चौधरीकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।
अभियुक्तद्वय कल्याणपुर गनरपालिका–७ के रिशकेश कुमार मरिककेँ भारतक गयामे आकर्षक काज लगा देबाक कहैत प्रलोभित कएने छल । बितल पुस २० गते गया पहुँचौलक बाद मोबाइल आ सर्टिफिकेट छिन क एकटा होस्टलमे बन्धक बनौने पीड़ित बतौने छल । पीड़ितकेँ बन्धक बना क माइरपिट करबाक आ हत्या करबाक धम्की दैत अभियुक्तद्वय परिवारसँ फिरौती रकम असुल कएने प्रहरी जनौलक अइछ ।
अभियुक्तसभ पीड़ितके परिवारसँ दू लाख १७ हजार २ सओ टका आ मरिकसँ ३० हजार भारतीय टका असुल कएने छल ।रासस
Imagesourse:Socialmedia





