निर्वाचनमे ड्रोनके प्रयोगपर प्रतिबन्ध


काठमाण्डू, २५ माघः सरकार आसन्न निर्वाचनमे ड्रोनके प्रयोगमे प्रतिबन्ध लगाएल गेल अइछ । गृह मन्त्रालयक प्रवक्ता एवम् सहसचिव आनन्द काफ्ले अगिला फागुनमे होएबला प्रतिनिधिसभा सदस्य निर्वाचनमे ड्रोनके प्रयोगमे प्रतिबन्ध लगेबाक निर्णय केन्द्रीय सुरक्षा समिति क चुकल जानकारी देलैन अइछ ।

ओ अखन सामाजिक सञ्जालके दुरुपयोगके रोकए लेल नेपाल प्रहरी सञ्चालनमे आनल गेल अध्याधुनिक युनिटकेँ आओर प्रभावकारी बनेबाक सेहो जानकारी देलैन अइछ । ओ निर्वाचन आचारसंहिताके उल्लङ्घन होएबला मिथ्या/भ्रमपूर्ण सूचना आ घृणास्पद अभिव्यक्ति देनिहार व्यक्तिके निगरानीमे सेहो टोली काज क रहल हुनकर कहब छैन ।

गृहमन्त्री ओमप्रकाश अर्याल एकीकृत निर्वाचन सुरक्षा योजना–२०८२ बमोजिम जिमेवार निकाय सम्पादन क रहल कार्य, जनशक्ति परिचालन तथा बन्दोबस्त सम्बन्धित योजनाबारे समीक्षा क प्रभावकारी व्यवस्था करए लेल आवश्यक निर्देशन देल गेल सेहो प्रवक्ता काफ्ले बतौलैन ।

मन्त्रालय सामाजिक सञ्जालके प्रयोगमे ध्यान देबाक आग्रह करैत मित्थ्या आ भ्रमपूर्ण सूचना नै फैलेबाक आग्रह करैत तेहन गतिविधि कएलापर कारबाही होबाक जानकारी करैलैन अइछ ।रासस

Imagesourse:pngtree.com

ताजा खबर
लोकप्रिय