वीरगन्ज (पर्सा), ३ फागुनः वीरगञ्ज भंसार कार्यालय चालु आर्थिक वर्षके सात महिनामे एक खरब ३५ अरब ४८ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन केलक अइछ । कार्यालय चालु आर्थिक वर्षके सात महिनाधैर एक खरब ५३ अरब ८४ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन करबाक लक्ष्य निर्धारण कएलाक बादो ओइ अवधिमे लक्ष्यके ८८.०७ प्रतिशत राजस्व सङ्कलन कएने अइछ ।
वीरगञ्ज भंसार कार्यालयके सूचना अधिकारी उदयसिंह विष्टके कहब अनुसार चालु आर्थिक वर्षके सात महिनामे भंसार सङ्कलन उत्साहजनक अइछ । कार्यालयद्वारा बितल साओनमे १८ अरब ४४ करोड़, भादबमे २० अरब ७३ करोड़, आसिनमे महिनामे १९ अरब नौ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन कएल गेल छल ।
तहिना, कात्तिकमे १७ अरब ३३ करोड़ टका आ अगहनमे २० अरब ८० करोड़ टका राजस्व सङ्कलन कएल गेल छल, तँ पुसमे सेहो २० अरब २० करोड़ टका राजस्व सङ्कलन कएल गेल छल । कार्यालय माघ महिनामे २१ अरब २९ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन करबाक लक्ष्य निर्धारण कएनेमे १८ अरब ९० करोड़ टका राजस्व सङ्कलन कएने अइछ । भंसार विभागद्वारा वीरगञ्ज भंसार कार्यालयके लेल साल भैरमे दू खरब ७३ अरब ३९ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन करबाक लक्ष्य निर्धारण कएने छल ।रासस
Imagesourse:newsofnepal.com





