मलङ्गवामे सव–इञ्जिनियरके गोली प्रहार क हत्या


मलङ्गवा (सर्लाही), ४ फागुनः सर्लाहीके सदरमुकाम मलङ्गवा नगरपालिका–१० मे रैबदिन साँझ सव–इञ्जिनियरके गोली प्रहार क हत्या कएल गेल अइछ ।

पूर्वाधार विकास कार्यालय सर्लाहीमे कार्यरत सिरहा जिलाके सुखीपुर नगरपालिकाके सव–इञ्जिनियर प्रमोद कुमार यादवके अज्ञात व्यक्तिके गोली प्रहारसँ मृत्यु भेल जिला प्रहरी कार्यालयके प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक सरोज राई जानकारी देलैन ।

अज्ञात व्यक्ति छातिमे गोली प्रहार कएलाक बाद गम्भीर घायल भेल यादवकेँ इलाजक लेल प्रादेशिक अस्पताल मलङ्गवा पठाएल गेल छल । अस्पताल पहुँचौलाक बाद चिकित्सक हुनका मृत घोषणा कएने प्रहरी नायब उपरीक्षक राई बतौलैन ।

मृतक यादव मलङ्गवा–१० स्थित दुर्गानन्द यादवके घरमे डेरामे रहैत आएल छलैन । घटनाके बारेमे अनुसन्धान आगु बढ़ाएल गेल अइछ । घटनामे संलग्न व्यक्तिके खोजी काज तीव्र बनाएल गेल प्रहरी उपरीक्षक योगेन्द्र कुमार खड्का जानकारी देलैन । रासस

Imagesourse:sidhakura.com

ताजा खबर
लोकप्रिय