भक्तपुर, ४ फागुनः प्रतिनिधि सभाके निर्वाचनक लेल मतपत्र छपाइके काज अन्तिम चरणमे अइछ । जनक शिक्षा सामग्री केन्द्र लिमिटेड छपाइ बाँकी रहल पाँच लाख मतपत्र आइ दिनभैरमे छपाइ सम्पन्न होबाक जनौलक अइछ ।
केन्द्रक कार्यकारी प्रबन्ध संचालक यदुनाथ पौडेल मतपत्र छपाइ आइ सम्पन्न होबाक जानकारी दैत बागमती प्रदेशक लेल बाँकी भेल पाँच लाख मतपत्र आइ साँझधैर सम्पन्न होबाक जानकारी देलैने । ओ कहलैन, “प्रत्यक्षदिसके मतपत्र छपाइ अन्तिम चरणमे पहुँचल छै । प्रत्यक्षदिसक दू करोड़ तीन लाख मतपत्र छपाइ करबामे बाँकी रहल पाँच लाख मतपत्र छपाइ आइ दिनभैरमे सम्पन्न हएत । ४२ दिनके समय अनुसार मतपत्र छपाइ सुरु कएल गेल छल । आइ ४० दिनमे काज सम्पन्न हएत ।” आइ छपाइ सम्पन्न भेलाक बाद काइलधैर सब मतपत्र ‘प्याकिङ’ क बाँकी जिलामे ढुवानी करबाक ओ जानकारी देलैन ।
दैनिक १३ सँ १५ लाख मतपत्र छपाइ क लक्ष्यसँ पहिने मतपत्र छपाइ सम्पन्न कएल गेल कहैत ओ केन्द्र छपाइ सम्पन्न कएने १० लाख नमूना मतपत्र, निर्वाचन आयोग विभिन्न स्थानमे पहुँचाओल गेल बतौलैन । दू करोड़ आठ लाख ३० हजार समानुपातिकदिसके मतपत्र छपाइ क प्याकिङ सम्पन्न भेलाक बाद जिला जिलामे पठेबाक काज भ रहल ओ जानकारी देलैन ।
केन्द्रक प्रबन्ध संचालक पौडेल कर्णाली आ सुदूरपश्चिममे सब मतपत्र पहुँच गेल अइछ आ बाँकी क्षेत्रमे सेहो १२ गतेधैर पहुँचेबाक लक्ष्यसँ काज भ रहल ओ जानकारी देलैन ।रासस
Imagesourse:collegenp.com





