काठमाण्डू ६ फागुनः राष्ट्रिय विपद जोखिम न्यूनीकरण तथा व्यवस्थापन प्राधिकरण अनुसार इएह फागुन ४ गते भोर १० बजेसँ पाँच गते भोर देशभैर जमा १९ टा विपदके घटना भेल अइछ ।
ओइमध्ये १५ टा आइगलगीके घटना भेल अइछ । असावधानीके कारण आइगलगीके घटनामे बृद्धि भेल प्राधिकरणके विवरणमे उल्लेख अइछ ।
प्राधिकरण अनुसार, तेह्रथुम, संखुवासभा, मोरङमे एक एक आइगलगीके घटना भेल अइछ, तँ सिरहा, सर्लाही आ स्याङजामे दू/दूटा आइगलगीके घटना भेल अइछ । तहिना, बारा, पर्सा, रुपन्देही, बझाङमे सेहो आइगलगीके कारण भौतिक सम्पत्तिके क्षति भेल अइछ ।
संखुवासभा, सोलुखुम्बु आ सर्लाहीमे वनमे आइगलगीके घटना भेल अइछ । तहिना, बैतडीमे जानवरक आक्रमण भेल अइछ । विपदमे छ गोटे घायल भेल अइछ, तँ ३४ लाख १२ हजार टका बराबरके क्षति भेल अइछ । रासस
Imagesourse:rajdhanidaily.com





