काठमाण्डू, ७ फागुनः गृहमन्त्री तथा नेपाल सरकारक प्रवक्ता ओम प्रकाश अर्याल इएह फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचन स्वच्छ, निष्पक्ष आ भयमुक्त वातावरणमे सम्पन्न होबाक विश्वास व्यक्त केलैन अइछ ।
निर्वाचन तैयारीके सिलसिलामे बुधदिन काठमाण्डूके निर्वाचन क्षेत्र नं. ३ गोकर्णेश्वर नगरपालिकास्थित सुन्दरीजल क्षेत्रक विभिन्न मतदान केन्द्र तथा निर्वाचन अधिकृतक कार्यालयके स्थलगत निरीक्षण करैत ओ सुरक्षा व्यवस्था आ आवश्यक तैयारीके बारेमे जानकारी लेलैन ।
निरीक्षणक क्रममे गृहमन्त्री अर्याल सामाजिक संजालमे आबैबला गलत आ मिथ्या सूचना तथा दुष्प्रचारसँ सचेत रहैत निर्वाचनकेँ शांतिपूर्ण रूपमे सम्पन्न करबाक लेल सम्बद्ध अधिकारीकेँ निर्देशन देलैन । गृह सचिव, काठमाण्डूके प्रमुख जिला अधिकारी तथा सुरक्षा निकायक प्रमुखसहितक टोली गोकर्णेश्वर आ ओख्रेनी माध्यमिक विद्यालयमे भेल मतदान केन्द्र एवं धाप ड्याम क्षेत्रक अवलोकन कएने छलैन ।
ओइ अवसरमे निर्वाचन अधिकृतसभ जनशक्ति व्यवस्थापन, मतदाता शिक्षा आ निर्वाचन सामग्री ढुवानीलगायतक तैयारी आगु बइढ़ रहल जानकारी करौने छलैन । रासस





