काठमाण्ड, ७ फागुनः निर्वाचन आयोग प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनअन्तर्गत समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीअनुसार होएबला निर्वाचनक लेल आवश्यक भेल अस्थायी मतदाता नामावाली सङ्कलन तथा स्थायी मतदान प्रक्रियालकेँ व्यवस्थित बनेबाक लेल ‘अस्थायी मतदाता नामावलीसम्बन्धी कार्यविधि २०८२’ जारी केलक अइछ ।
मतदाता नामावलीसम्बन्धी ऐन, २०७३ के दफा ४४ देने अधिकार प्रयोग करैत कार्यविधि बना आयोगद्वारा जारी कएल गेल अइछ । कार्यविधिअनुसार आयोग स्थायी मतदाता नामावली सङ्कलन करबाक कार्यक्रमसहितक सूचना प्रकाशन करत । प्रकाशित सूचना आवश्यकताअनुसार राष्ट्रियस्तरके संचारमाध्यमसँ सेहो प्रकाशन तथा प्रसारण क सकबाक व्यवस्था कार्यविधिमे कएल गेल अइछ ।
नेपाल सरकार, प्रदेश सरकार, स्थानीय तह, सरकारके स्वामित्व या नियन्त्रणमे रहल संस्थामे कार्यरत कर्मचारी, सेना, प्रहरी, कारागारमे रहल थुनुवा आ कैदी, निर्वाचन काजमे खटल कर्मचारी आ सुरक्षाकर्मी, संवैधानिक निकायक प्रमुख तथा पदाधिकारीके नाम स्थायी मतदाता नामावलीमे समावेश हएत ।
निर्वाचन आयोग जारी कएने उक्त कार्यविधिअनुसार कोनो व्यक्तिके नाम छुटल या कोनो मतदाताके नाम या विवरणमे त्रुटि भेलापर सम्बन्धित व्यक्तिके अपन नाम समावेश कराबए या त्रुटि सचिएबाक लेल प्रमाणसहित प्रमुख नाम दर्ता अधिकारीसमक्ष निवेदन देबए पड़त । रासस





