लागुपदार्थसहित विभिन्न स्थानसँ १६ गोटे गिरफ्तार


काठमाण्डू, ८ फागुनः देशक विभिन्न स्थानसँ लागुपदार्थसहित १६ गोटेकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।

केन्द्रीय प्रहरी समाचारकक्षके अनुसार झापासँ दू, मोरङसँ एक, सिरहासँ तीन, कास्कीसँ तीन, बाँकेसँ तीन, कैलालीसँ दू आ मकवानपुरसँ दू गोटेकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।

अभियुक्तसभसँ ब्राउन हिरोइन आ चिकित्सकके पूर्जीबिना खरिद बिक्रीके लेल प्रतिबन्धित विभिन्न प्रकारक दवाइ बरामद कएल गेल अइछ । नियमित सुरक्षा गस्तीके क्रममे प्रहरी ओकरासभकेँ बुधदिन आ वृहस्पैतदिन गिरफ्तार कएने छल । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय