ललितपुर, ८ फागुनः अर्थमन्त्री रामेश्वर खनाल निर्वाचनक लेल आवश्यक स्रोतसाधनके कमी नै होबए देबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन अइछ ।
आइ पर्यटन बोर्ड आ परिसूचक मिडियाद्वारा आयोजित ‘नेपाल पर्यटन गोष्ठी’मे ओ निर्वाचनकेँ सफल बनेबाक लेल सरकारक ध्यान केन्द्रित रहल बतौलैन ।
आब आर्थिक विषयमे केन्द्रित होबाक समय आएल कहैत अर्थमन्त्री खनाल राजनीतिक अस्थिरताके बहससँ सरकारकेँ बाहर निकालब सबसँ पैघ चुनौती रहल उल्लेख केलैन ।
सरकार सालोसँ अर्थतन्त्रके उन्नयनक लेल हरसम्भव प्रयत्न क रहल कहैत अर्थमन्त्री खनाल ओइ लेल विविध नीतिगत काज भेल जानकारी देलैन । रासस





