धनुषामे आचारसंहिता उल्लङ्घन: जनकपुरधाम क्षेत्रसँ करिब २० हजार प्रचार सामग्री हटाएल गेल


धनुषा, ९ फागुनः इएह फागुन २१मे होएबला प्रतिनिधिसभा सदस्य निर्वाचन आइब रहल समय आचारसंहिताविपरीत टाँगल करिब २० हजार प्रचार सामग्री हटाएल गेल छै । जिला प्रशासन कार्यालय धनुषा जनकपुरधाम नगर क्षेत्रभित्र विभिन्न उम्मेदवार जथाभावी टाँगल पर्चा, पम्पलेट, ब्यानर आ पोस्टर हटाएल गेल जनौलक अइछ।

प्रशासन अनुसार सार्वजनिकस्थल, विद्युतके पौल, सरकारी भवन तथा सड़क बगलमे आचारसंहिताविपरीत टाँगल सामग्री हटाएल गेल अइछ । निर्वाचन आचारसंहिताकेँ प्रभावकारी बनेबाक लेल प्रशासन वृहस्पैतदिन उम्मेदवार तथा राजनीतिक दलकेँ एक दिनके समय द नियमविपरीत प्रचार सामग्री अपनेसँ हटेबाक निर्देशन देल गेल छल । निर्धारित समयभित्र सामग्री नै हटाएल गेलाक बाद प्रशासन अपनेसँ शुक्रदिन करिब २० हजार प्रचार सामग्री हटाएल गेल प्रमुख जिला अधिकारी प्रेमप्रसाद लुइँटेल जानकारी देलैन अइछ ।

ओ जनकपुरधामक विभिन्न स्थानमे जथाभावी टाँगल प्रचार सामग्री शहरके सौन्दर्यमे असर पड़ल आ निर्वाचन आचारसंहिता उल्लङ्घन भेल कहैत कारबाहीस्वरूप हटाएल गेल आ आब फेर एहन सामग्री टाँगत तँ कानुनी कारबाही कएल जाएत कहलैन ।

अइ ठाँम विशेषत: मुख्य बजार क्षेत्र, चौक, सार्वजनिक भित्तासभ आ सरकारी संरचनामे आचारसंहिताविपरीत सामग्री साटैत अइछ । प्रमुख जिला अधिकारी लुइँटेल अपन पार्टी आ उम्मेदवारके प्रचारप्रसार करैत काल आचारसंहिता पालना करबाक आग्रह केलैन।

“नियमविपरीत सामग्री तत्काल हटाएल जाएत । अटेरी कएलापर सम्बन्धित उम्मेदवार तथा दलकेँ आवश्यक कारबाही करब”, ओ कहलैथ,“चुनावी वातावरण स्वच्छ, मर्यादित आ व्यवस्थित बनाबए आचारसंहिताके कड़ाइसँ कार्यान्वयन करब । एकर पालन करए लेल सबकेँ आग्रह करै छी ।”रासस

Imagesourse:todayawaj.com

ताजा खबर
लोकप्रिय