राजविराज (सप्तरी), १३ फागुनः नेपाली कांग्रेसक उपसभापति विश्व प्रकाश शर्मा सभापति गगन थापाके नेतृत्वमे बदलल कांग्रेस सबकेँ सम्मान करबाक बतौलैन अइछ ।
मङ्गलदिन गजेन्द्र चौकमे चुनावी सभाकेँ सम्बोधन करबाक क्रममे ओ मधेश आन्दोलनकेँ सम्मान करैत गजेन्द्र नारायण सिंहके योगदान अविस्मरिणीय भेल उल्लेख केलैन । मधेश आन्दोलनक कारण सङ्घीयता आएल स्मरण कराबैत ओ सङ्घीयता केकरो ईच्छासँ कमजोर नै होबाक बतौलैन ।
कांग्रेसक चुनावी भेलामे जसपा नेपालक समानुपातिक उम्मेदवार विजय गुप्तासहित दू दर्जनसँ बेसी जेनजी युवा कांग्रेसमे प्रवेश कएने छल । पार्टी प्रवेश करैबलामे राजविराज नगरपालिकाके मो. सज्जाद, सुल्तान, अकबर, अनवर, आजम, मेराज, जाफिर, आफतोप, इसमाइल, आयुसलगायत छैथ । तहिना, महादेवा गाउँपालिकाके मो. वासिम, तबरेज, अबदुल, मुकिम, इर्शाद, अरवाज, इजहारुल, हारुन, इवरान, इरफानसहितक नेपाली कांग्रेसमे प्रवेश केलैन । रासस
Imagesourse:english.nepalnews.com





