सिरहा, २९ जेठः सिरहाक गोलबजार नगरपालिका–१३ दुर्गापुरस्थित सिमरा चौरीमे सिँचाइके लेल जड़ान कएल ११ हजार भोल्टके ट्रान्सफर्मर बुधदिन राइतमे चोरी भेलासँ सयौ किसान प्रभावित भेल छैथ । खेतीपातीक मुख्य समयमे विद्युत आपूर्ति अवरुद्ध भेलासँ सिँचाइ नै भ सकल अइछ ।
किसान दुर्गेश कुमार सिंह धान तथा अन्य बाली रोपनीके तैयारी क रहल समयमे ट्रान्सफर्मर चोरी भेलासँ किसान समस्यामे पड़ल बतौलैन । “ट्रान्सफर्मर चोरी भेलासँ आब डिजेल पम्प वा अन्य वैकल्पिक स्रोतके सहारा लिय पड़ल, अइसँ खेतीक लागत बढ़त,” ओ कहलैन ।
किसान रामपृत यादव खेती परिवारके मुख्य आमदनी भेल कहैत ट्रान्सफर्मर चोरीसँ बहुत असर पड़ल बतौलैन । ओ सिँचाइके अभावमे उत्पादन घटबाक चिन्ता व्यक्त करैत तत्काल विद्युत सेवा पुनःस्थापना करए लेल माँग केलैन ।
सिरहामे पछिला समयमे ट्रान्सफर्मर चोरीक घटना बढ़ैत गेल देखल गेल अइछ । जिला प्रहरी कार्यालय सिरहाक सूचना अधिकारी तथा प्रहरी नायब उपरीक्षक रमेशबहादुर पाल ट्रान्सफर्मर चोरीक घटना बारे जानकारी दैत कहलैन, “एखनधैर ट्रान्सफर्मर चोरी सम्बन्धी १५ टा शिकायत प्राप्त भेल छै । प्राप्त शिकायतके आधारमे अनुसन्धान आगाँ बढ़ाएल गेल आ घटनामे संलग्न व्यक्तिसभके खोजी भ रहल छै ।” (रासस)
—





