सरकारक ‘एक्स्प्रेस’ गाड़ी गन्तव्यमे पहुँचलाक बाद मात्रे रुकत : प्रधानमन्त्री


काठमाण्डू, ७ अखारः प्रधानमन्त्री एवं राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)के वरिष्ठ नेता वालेन्द्र शाह वर्तमान सरकार ‘एक्स्प्रेस’ गाड़ी भेलासँ गन्तव्यमे पहुँचलाक बाद मात्रे रुकबाक बतौलैन अइछ ।

रास्वपाके प्रथम राष्ट्रिय महाधिवेशनके उद्घाटन सत्रकेँ आइ चितवनक भरतपुरमे सम्बोधन करैत ओ किछ राजनीतिक पार्टीसभ सरकारक गति अनियन्त्रित होबाक कहि कएने टिप्पणीप्रति लक्षित करैत कहलैन “हमरासभक सरकार ‘एक्स्प्रेस वे’मे चैल रहल गाड़ी छै, ई गन्तव्यमे पहुँचलाक बाद मात्रे ब्रेक लागत ।”

महाधिवशेनके उद्घाटन सत्रमे शुभकामना देबाक क्रममे किछ राजनीतिक दलक नेता देने सुझावकेँ पार्टी गम्भीर रुपसँ लेने कहैत प्रधानमन्त्री शाह अखनके जनमतकेँ स्वीकार करबाक लेल आग्रह केलैन । रास्वपाके वैचारिक दृष्टिकोणके बारेमे चिन्ता नै लेबाक लेल आग्रह करैत ओ रास्वपा विकासवादी पार्टी भेल बतौलैन ।

सरकारी सम्पत्ति आ रकम दोहन भेल अवस्थामे विद्यमान सरकार कठोर ढङ्गसँ प्रस्तुत होबाक हुनक कहब छलैन । प्रधानमन्त्री शाह कहलैन, “सरकार नियमकानुन नै तोड़त, नियममे रहि क काज करत, नियमसँ बाहर नै जाएत ।”

‘नेपालक भूमिके प्रमाण सरकार लग छै’

प्रधानमन्त्री शाह कालापानी, लिम्पियाधुरा आ लिपुलेक नेपालक भूमि भेल स्पष्ट करैत उक्त भू–भाग नेपालक भेल प्रमाण सरकार लग रहल बतौलैन ।

“हमसभ ब्रिटिसकेँ मध्यस्थकर्ता राखै नै चाहने छी । मुदा, ब्रिटिसकालीन शासनके समयमे अइ सम्बन्धी कोनो प्रमाण छै, तँ सहयोग लेबए चाहने छी”, ओ कहलैन, “हमसभ पड़ोसीसँ अपने बात क सीमासम्बन्धी विषय मिलाएब, हमरासभ लग अपनासभक भू–भाग रहल प्रमाण छै । ओइमे आशङ्का नै करबाक चाही ।” अपन राष्ट्रियताप्रतिके दृष्टिकोणमे केकरो आशङ्का नै करबाक चाही से ओ प्रष्ट केलैन ।

‘पार्टीमे गुट, उपगुट नै करु’

वरिष्ठ नेता शाह पार्टीके महाधिवेशनमे गुट उपगुट बनाबैबला पुरान पार्टीके अभ्यासकेँ रास्वपा स्थान नै देबाक बतौलैन ।

रास्वपा नयाँ पार्टी भेलासँ नयाँ सोचसहित आगु बढ़ल ओ स्पष्ट केलैन । “हमसभ इएह कार्यकालमे सुकुमबासी आ सहकारी ठगीसम्बन्धी समस्या समाधान करब । आगामी चुनावमे इएह ‘एजेण्डा’सहित नै जाएब, आब नयाँ एजेण्डासहित जाएब”, प्रधानमन्त्री कहलैन ।

अखन रास्वपाके सरकार भेलासँ हरेक मन्त्री, सांसद, पदाधिकारी, केन्द्रीय सदस्य, कार्यकर्ता आ जनता प्रधानमन्त्री भेल हुनक कहब छलैन । पार्टीकेँ एक भ बनेबाक लेल जोड़ दैत ओ कहलैन, “आइ, काइल आ पर्सु पार्टीके बारेमे सोचु, ओइके बाद पाँच वर्ष देशके बारेमे सोचु ।” (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय