धरान (सुनसरी), १ साओनः सप्तकोशी नदीमे बहाब बढ़ैत गेलाक बाद सुनसरी प्रशासन विपद् प्रतिकार्यकेँ तैयारी करबाक लेल प्रमुख जिला अधिकारी वासुदेव घिमिरेसहित सुरक्षा निकायके प्रमुखके टोली कोशी ब्यारेजके स्थलगत अनुगमन केलक अइछ ।
कोशी ब्यारेजमे पाइनके प्रवाह प्रतिसेकेन्ड एक लाख ५१ हजार १९५ क्युसेक पहुँचल छै । ब्यारेजके २० टा गेट खोलल गेल छै । कोशीमे जलप्रवाह प्रतिसेकेन्ड एक लाख ५० हजार क्युसेक भेलाक बाद उच्च सतर्कताक लेल ललका बाैल बारल जाइछ छै ।
अनुगमनके बाद प्रमुख जिला अधिकारी घिमिरे बाइढ़, डुबान तथा कटानके जोखिमकेँ मध्यनजर करैत जिलामे विपद् प्रतिकार्य योजना कार्यान्वयनमे रहल बतौलैन । ओ विपद् व्यवस्थापनमे संलग्न सब निकायके जिमेवारी स्पष्ट रूपमे निर्धारण कएल गेल तथा आवश्यक कार्यविधि सेहो तैयार कएल गेल जानकारी देलैन अइछ ।
प्रमुख जिला अधिकारी घिमिरे कोशी ब्यारेज पुल तथा कमजोर तटबन्धके मर्मत कएल गेल जानकारी दैत बाइढ़के कारण कटान वा तटबन्धमे क्षति भेलापर सम्बन्धित आयोजना, जिला प्रशासन आ सुरक्षा निकाय तत्काल तैयारी अवस्थामे रहल हुनकर कहब छैन ।
अनुगमनमे जिला प्रहरी कार्यालय सुनसरीक प्रहरी प्रमुख केशव कुमार थेबे, राष्ट्रिय अनुसन्धान जिला कार्यालय सुनसरीक उपअनुसन्धान निर्देशक विमल घिमिरेसहित सुरक्षा निकायके प्रतिनिधिके सहभागिता छल । (रासस)





