मुख्य निकास छोट भेलासँ उपत्यकामे डुबान


काठमाण्डू, १ साओनः अनामनगर, नयाँ बानेश्वर, जमल, रानीवन तथा सिंहदरबारसहित अगलबगलके क्षेत्र सामान्य वर्षामे सेहो डुबान भ रहल अइछ ।

वृहस्पैतदिन दुहपरमे वर्षाक बाद उक्त क्षेत्र जलमग्न भेलासँ सवारी आवागमन प्रभावित भेल। जाहि कारण लम्बा समय ट्राफिक अवरोध रहल ।

एहन समस्या सालेसाल होइते आएल अइत तइयो दीर्घकालीन समाधान नै भ सकल अइछ । काठमाण्डू उपत्यका खानेपानी लिमिटेड (केयुकेएल)के प्रवक्ता प्रकाश कुमार राई माइतीघर क्षेत्र गहिराइमे भेलासँ सब ठामक पाइन सएह क्षेत्रमे जमा भ रहल जानकारी देलैन ।

ओ कहलैथ, मुख्य समस्या ढल निकास प्रणालीमे छै । पुरान पाइपसभ छोटका रहए।” उक्त क्षेत्रके अधिकांश पाइप पुरान, छोट छै । जाहिसँ वर्षामे पाइनके बहाव अवरोध होइत छै । माइतीघर, न्यूप्लाजा आ सिंहदरबार अगलबगलके ढल व्यवस्थापनकेँ एकीकृत रूपमे सुधारके सम्बन्धमे बातचित भेलोपर विस्तृत योजना कार्यान्वयन नै भ सकल अइछ ।

तीव्र शहरीकरण, वर्षाके पाइन निकासी प्रणालीके अभाव, पुरान ढलके सीमिता तथा नदीके प्राकृतिक बहाव सकेत होइत गेलासँ राजधानीमे डुबानके खतरा बढैत गेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय