ग्यासके कालाबजारी रोकबाक लेल अनुगमन तीव्र


काठमाण्डू, २४ साओनः खाना बनाबैबला ग्यासके कालाबजारी रोकबाक आ सहज आपूर्ति बढ़ेबाक लेल गृह मन्त्रालय आ उद्योग, वाणिज्य तथा आपूर्ति मन्त्रालयके समवंयमे बजार अनुगमन तीव्र बनाएल गेल अइछ ।

भारतसँ ग्यास आयातमे कोनो समस्या नै भेलाक बादो बजारमे एकाएक कृत्रिम अभाव उत्पन्न क कालाबजारी भ रहल कहैत उद्योग मन्त्रालयमे लगातार शिकायत तथा सूचना प्राप्त भेलाक बाद अनुगमनमे कड़ाइ कएल गेल अइछ ।

उद्योग मन्त्रालयके सहसचिव नेत्रप्रसाद सुवेदीके कहब अनुसार बजार अनुगमनकेँ निरन्तरता सङे प्रभावकारी बनाएल गेल अइछ, तँ आपूर्तिमे क्रमशः सहजता हुअ लागल अइछ ।

ग्यासके आपूर्ति सहज भेलाक बादो कृत्रिम अभाव भेल कहि उपभोक्ताकेँ समस्या देबाक तथा बेसी दाममे बिक्री करैबला गतिविधि नियन्त्रण करबाक उद्योगमन्त्री गौरी कुमारी यादव गृहमन्त्री सुधन गुरुङसँ अनुगमनक लेल काठमाण्डू उपत्यकाके डिपोसभमे सुरक्षाकर्मी परिचालन क देबाक लेल आग्रह कएने छलैन ।

मन्त्री यादवके आग्रह बाद गृहमन्त्री गुरुङ प्रहरी प्रशासनकेँ आवश्यक समवंय आ सहजीकरणक लेल निर्देशन देने गृहमन्त्रीके निजी सचिवालय जनौलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय