राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)
काठमाण्डू, ३ आसिनः बितल भादबमे पाँच अरब नौ करोड़ २४ लाख टकासँ बेसीके विद्युत् निर्यात भेल अइछ ।
नेपाल विद्युत् प्राधिकरणके अनुसार उक्त अवधिमे भारत आ बङ्गलादेशदिस कुल ५६ करोड़ ५६ लाख छ हजार ४४३ युनिट विद्युत् निर्यात भेल अइछ । द्विपक्षीय सम्झौता आ विद्युत् बजार (एक्सचेन्ज मार्केट) मार्फत विद्युत् बिक्री कएल गेल अइछ ।
द्विपक्षीय सम्झौतामार्फत ४२ करोड़ १६ लाख युनिटसँ बेसी विद्युत् तीन अरब ६४ करोडसँ अधिकतम बिक्री भेल अइछ तँ एक्सचेन्ज मार्केटमार्फत १४ करोड़ ३९ लाख युनिटसँ बेसी विद्युत् निर्यातसँ एक अरब ४४ करोड़ ९९ लाख टका आम्दानी भेल अइछ ।
भोटेकोशी बाइढ़सँ चिलिमे तथा त्रिशूली जलविद्युत् केन्द्रके संरचनामे क्षति भेलाक बाद हाल बङ्गलादेशदिसके विद्युत् निर्यात रुकल अइछ ।





