चिकित्सा शिक्षामे पहुँच विस्तार करएबाक लेल ४१८ सिट थप


काठमाण्डू, ३१ आसिनः चालु शैक्षिक सत्रमे चिकित्सा शिक्षादिस ४१८ नयाँ सिट थपल गेल अइछ।

शिक्षा तथा खेलकुदमन्त्री सस्मित पोखरेलअनुसार थपल सिटमध्ये एमबीबीएसदिस ११०, बीएससी नर्सिङदिस २१० आ बीएमएसदिस ९८ छै ।

थपल सब सिट सरकारी शिक्षण संस्थाकेँ उपलब्ध कराएल गेल। निजी कलेजसभके सिट सङ्ख्या यथावत् राखल गेल छै । सरकारी शिक्षण संस्थामे कम शुल्कमे अध्ययन विस्तार करबाक उद्देश्यसँ नयाँ सिट थपल गेल अइछ ।

अइ बीच, कैलालीके गेटास्थित शहिद दशरथ चन्द स्वास्थ्य विज्ञान विश्वविद्यालयमे ५० सिटसहित एमबीबीएसके पढाइ शुरू हएत ।

तहिना , धरानस्थित बिपी कोइराला स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठान आ नेपाली सेना स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठानमे एमबीबीएसदिस ३० सिट थपल गेल छै । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय