नवरात्रके आठम दिन : शक्तिपीठमे भक्तजनके भीड़


काठमाण्डू, १ कातिक : नवरात्रके आठम दिन आइ काठमाण्डू उपत्यकालगायत देशक विभिन्न भागमे अवस्थित शक्तिपीठ एवं देवी मन्दिरमे भक्तजनके भीड़ लागल अइछ ।

महाअष्टमीके दिन आइ अइ ठामक गुह्येश्वरी, मैतीदेवी, कालिकास्थान, नक्साल भगवती, भद्रकाली, शोभा भगवती, विजेश्वरी, इन्द्रायणी, रक्तकाली, श्वेतकाली, चामुण्डामाई, सुन्दरीमाई, बज्रयोगिनी, तलेजु भवानी टोखा चण्डेश्वरीलगायत शक्तिपीठ एवं देवी मन्दिरमे देवीके पूजापाठ करैबला भक्तजनके भीड़ लागल अइछ । उक्त शक्तिपीठ तथा देवी मन्दिरकेँ कनियाँजका सजाएल गेल अइछ ।

रासस स्थानीय समाचारदातासभक अनुसार दक्षिणकाली, गोरखाके मनकामना, ताप्लेजुङके पाथीभरा, ललितपुरके बंगलामुखी, पोखराके विन्ध्यवासिनी, काभ्रेपलाञ्चोकके पलाञ्चोक भगवती, जुम्लाके चन्दननाथ, डोटीके शैलेश्वरी, डडेलधुराके उग्रतारा भगवती, बैतडीके त्रिपुरासुन्दरी, नेपालगञ्जके वागीश्वरी, सप्तरीके छिन्नमस्ता भगवती, धनुषाके राजदेवी, धनकुटाके जाल्पादेवी, धरानके दन्तकाली तथा बाराके गढीमाईमे भोरेसँ श्रद्धालुसभक भीड़ लागल अइछ ।

शारदीय नवरात्र कहल जाएबला आइ अवसरमे शक्तिपीठमे दर्शन कएलापर मनोकामना पूरा होबाक धार्मिक विश्वास अइछ । अइ अवसरमे महाकाली, महालक्ष्मी आ महासरस्वतीके सेहो विशेष रुपमे पूजापाठ कएल जाइत अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय