काठमाण्डू, १६ जेठ: नेपालमे सरदर मितिसँ १५ दिन पहिने मनसुन प्रवेश कएने अइछ। जल तथा मौसम विज्ञान विभागद्वारा जारी विज्ञप्तिमे एहि साल मनसुन वृहस्पैतदिन राइतिसँ पूर्वी नेपालसँ प्रवेश क कोशी प्रदेशक अधिकांश भू–भागमे फैलल उल्लेख अइछ।
मनसुनके कारण कोशी प्रदेशक अधिकांश मौसम केन्द्रसभमे हलकासँ मध्यम स्तरके वर्षा भेल विभाग जानकारी देलक। विभागक महानिर्देशक कमलराम जोशी कहलैन, “नेपालमे मनसुन प्रवेश करबाक सरदर मिति जुन १३ रहै अइछ, मुदा एहि बेरमे २९ क नेपालमे मनसुन भेल अइछ।”
ओ कहलैन, “नेपालक बाँकी भू–भागमे मनसुनक प्रभाव देखेबाक लेल आओर किछु समय लागत। हाल देशक अन्य भागमे पश्चिमी वायू आ स्थानीय वायूक प्रभाव यथावत् अइछ।”
मौसम पूर्वानुमान महाशाखा मौसम अवस्थाक निरन्तर निगरानी क रहल आ ताहि अनुसार नियमित रूपसँ मौसम सूचना अद्यावधिक कएल जा रहल जोशी जानकारी देलैन।
विभागक अनुसार एहि वर्षक मनसुनमे सरदरसँ बेसी वर्षा होएबाक सम्भावना अइछ। विभाग आइ सार्वजनिक कएल अगिला मनसुनक आकलन अनुसार जेठ १८सँ आसिन १४धैर चाइर महिनाके मनसुनकालमे देशक अधिकांश स्थानसभमे सरदरसँ बेसी वर्षा होएत।
ओ कहलैन, “एहि ऋतुमे देशक अधिकांश भागमे सरदरसँ बेसी वर्षा होएबाक सम्भावना अइछ। कर्णाली प्रदेशक पूर्वी भाग, लुम्बिनी प्रदेशक उत्तरी भाग आ गण्डकी प्रदेशक अधिकांश भू–भागमे ५५सँ ६५ प्रतिशत सम्भावना अइछ।”
“सुदूरपश्चिम प्रदेशक दक्षिणी भाग, लुम्बिनी प्रदेशक पश्चिमी भाग, गण्डकी प्रदेशक उत्तर–पूर्वी भाग, बागमती आ कोशी प्रदेशक उत्तरी भागमे ४५सँ ५५ प्रतिशत सम्भावना अइछ,” ओ कहलैन।
तहिना मधेश प्रदेशक पूर्वी आ दक्षिणी भागमे सरदरसँ ३५सँ ४५ प्रतिशत बेसी वर्षा होबाक सम्भावना अइछ, देशक बाँकी भागमे सरदरसँ बेसी वर्षा होएबाक सम्भावना ३५ सँ ४५ प्रतिशत रहल उल्लेख गेल अइछ। रासस





