मधेश सरकार शुक्र दिन नीति तथा कार्यक्रम प्रस्तुत करत


जनकपुरधाम, २२ जेठ । मधेश प्रदेश सरकार आबयवाला शुक्र दिन अपन नवीन नीति तथा कार्यक्रम प्रदेशसभामे प्रस्तुत करय जा रहल अइछ।

प्रदेश सभाक अधिवेशनमे प्रदेश प्रमुख सुमित्रा भण्डारी द्वारा नीति आ कार्यक्रम प्रस्तुत कएल जाएत। मधेश नीति आयोगक उपाध्यक्ष डा. सोहन प्रसाद साह कहलक जे एहि बेरक नीति आ कार्यक्रम पहिने सं भिन्न होएत, “इन्टर कनेक्टेड वे” पर आधारित नीति बनाओल गेल अछि, जे कृषि, शिक्षा, स्वास्थ्य आ रोजगारक व्यवसायीकरण पर केन्द्रित होएत।

हुनक कहब अनुसार, आन्तरिक उत्पादन बढ़ेनाइ आ युवासभक रोजगार सृजन एहि बेरक मुख्य उद्देश्य अइछ। कृषि केँ प्राथमिकतामे राइखके योजनासभ बनाओल गेल अइछ, जइस उत्पादन आ आमदनी दुनू बइढ़ सकए । उल्लेखनीय अइछ जे मधेश सरकार गत वर्षमे सेहो कृषि आ स्वास्थ्यकेँ प्राथमिकतामे राइखके योजना लाबने छल, मुदा अइबेर समन्वित विकास पर विशेष जोर देल जा रहल अइछ।

ताजा खबर
लोकप्रिय