मेचीनगरमे ‘अफ्रिकन स्वाइन फ्लू’ आ ‘लम्पी स्किन’क सङ्क्रमण पुष्टि


झापा, २५ जेठ: मेचीनगर नगरपालिकाके घरपालुवा जानवरसभमे ‘अफ्रिकन स्वाइन फ्लू’ आ ‘लम्पी स्किन’क सङ्क्रमण देखल गेल अइछ। नगरपालिकाके प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत अग्निप्रसाद अधिकारीक अनुसार वाड नं २, ३, ७, ८, ९ आ १४मे ‘लम्पी स्किन’ आ वाड नं ६ स्थित बङ्गुर फार्ममे ‘अफ्रिकन स्वाइन फ्लू’ के सङ्क्रमण पुष्टि कएल गेल अइछ।

ओ कहलैन “लम्पी स्किन आ स्वाइन फ्लू दूनू रोगक सङ्क्रमण देखल गेल छै। नगरक पशु सेवा शाखासँ नियन्त्रण आ रोकथाम लेल आवश्यक परीक्षण, इलाज आ सतर्कताक उपाय स्वरूप सात गोटे प्राविधिक कर्मचारी कार्यरत छैथ। कोशी प्रदेश आ सङ्घीय सरकारक सम्बन्धित निकायसभसँ सेहो आवश्यक सहयोग आ समन्वय लेल आग्रह कएल जा चुकल छै।”

पशु सेवा शाखाक प्राविधिक छत्र राईक अनुसार गाए आ बाच्छीमे ‘लम्पी स्किन’ देखाएलाक बाद प्राविधिक टीम किसानक गोठधैर गेला आ इलाज सुरू कएल गेल। कहलैन जे गाइमालकेँ देहमे घाउ-खटिरा आ बोखार रहै छैे, ताहि लेल सरसफाइके उद्देश्यसँ किसानकेँ फिनेलसहितक सामग्री वितरण कएल गेल अइछ। सङ्क्रमित गाइ-बाच्छीकेँ अलग राइख क मल्हम लगाएल जा रहल अइछ आ पेनकिलर दवाइ खुआएल जा रहल अइछ।

‘लम्पी स्किन’क जोखिम आओर नै फैलए ताहि लेल सङ्क्रमित गोहालीसँ पाँच सओ मिटरके दायरामे पोसल डेढ़ सओसँ बेसी गाएमालकेँ पशु प्राविधिक टीम ‘रिङ भ्याक्सिन’ द रहल अइछ। राईके अनुसार ई रोगसँ ग्रसित जानवरसभमे तेज बोखार, माैन रहब, अन्नपाइन प्रति अरुचि आ दूध उत्पादनमे कमी देखाइत अइछ। ई सङ्क्रमक रोग भाइरससँ फैलैत अइछ।

मेचीनगर वाड नं ६ स्थित बबिता बङ्गुर फार्ममे ‘अफ्रिकन स्वाइन फ्लू’क कारण ८० बङ्गुर मइर चुकल छै। पशुपन्छी रोग अन्वेषण प्रयोगशालामे परीक्षण पश्चात मरेल बङ्गुरसभमे ‘अफ्रिकन स्वाइन फ्लू’ पुष्टि भेल, जानकारी पशु सेवा शाखाक प्रमुख विक्रम गुरुङ देलैन।

ओ कहलैन “फार्मसँ अचानक बङ्गुर मरबाक सूचना आएलाक बाद नमूना परीक्षण लेल प्रयोगशालामे पठाएल गेल छल। रिपोर्टमे ‘अफ्रिकन स्वाइन फ्लू’ पुष्टि भेल अइछ।” फार्म सञ्चालिका बबिता गहतराज कहलैन जे जेठ महिनामे ८० टा बङ्गुर लगातार मरलासँ भारी क्षति भेल छै। गुरुङ नेतृत्वमे प्राविधिक टीम बङ्गुर फार्म आ ओकर अगलबगलके क्षेत्रमे औषधोपचार आ जनचेतना सम्बन्धी कार्य क रहल अइछ।
रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय