काठमाण्डू, २७ अखारः पर्वतीय पर्यटक व्यवसायीसभके छाता संस्था ट्रेकिङ एजेन्सीज् एशोसियशन अफ नेपाल (टान) नेपाल चीन मितेरी पुल बहेलासँ कैलाश मानसरोवर तीर्थयात्रीके समस्या भ रहल बताएल गेल अइछ ।
टानके महासचिव सोनाम ग्याल्जेन शेर्पा एक विज्ञप्ति उल्लेख छै जे बितल मङ्गलदिन भोरमे लेहेन्दे खोलामे आएल बाइढ़के कारण पुल बहेलासँ कैलाश मानसरोवर जाएबला यात्रीसभ समस्यामे पड़ल अइछ ।
मितेरी पुल बहेलासँ रसुवागढीसँ सड़क मार्गसँ चीनके स्वशासित क्षेत्र तिब्बतके कैलाश मानसरोबर जाएबला नेपाली, विदेशी तीर्थयात्री तथा पर्यटकसभ तिब्बत नै जा सकल कहैत तत्काल चीन सरकासङे कुटनीतिक पहल क तातोपानी, कोरोला, हिल्सा नाकासँ मानसरोवर जेबाक वातावरण मिलेबाक आग्रह कएलक अइछ ।
टानके अध्यक्ष सागर पाण्डे कैलाश मानसरोवर यात्रा सिजनके मुख्य समयमे तीर्थयात्री तथा पर्यटककेँ सहज रुपमे भिसा उपलब्ध करेबाक सरकारसङे मांग कएलैन ।
ओ नेपालस्थित चिनियाँ राजदूतावासँ कुटनीतिक पहल क भिसा प्रक्रियाकेँ जल्दि, दुरूस्त आ यात्रीमैत्री बनाबए आ काठमाण्डूमे प्रतिक्षारत तीर्थयात्रीकेँ जल्दी कैलाश यात्रा करबाक वातावरण बनेबाक लेल परराष्ट्र मन्त्रालयकेँ आग्रह कएलैन । रासस





